अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, March 16, 2010

फेसबुक हैदराबाद मे

सोशल नेटवर्किंग साइट-फेसबुक एशिया केर अपन पहिल कार्यालय हैदराबाद मे खोलए जा रहल अछि। फेसबुक ई निर्णय भारत मे फेसबुक केर प्रयोक्ता,विज्ञापनदाता आ डेवलपरलोकनिक बढैत संख्या कें देखैत लेने अछि। गौरतलब अछि जे एखन दुनिया भरि मे फेसबुक कें सक्रिय प्रयोक्ताक संख्या 40 करोड़ छैक जाहि मे सं 80 लाख प्रयोक्ता भारतक छथि। फेसबुक काल्हि कहलक जे हैदराबाद केंद्र मे,विज्ञापन आ डेवलपर सहायता टीम ऑनलाइन रहत जे फेसबुक प्रयोक्ता कें एक सं बेसी भाषा मे चौबीसो घंटा सहायता लेल उपलब्ध रहत। ध्यान रहए जे गूगल,डेल,ओरेकल,माइक्रोसॉफ्ट,आइबीएम आ आन कंप्यूटर कंपनी सभ पहिने सं हैदराबाद कें केंद्र बनेने अछि। हैदराबाद केंद्रक लेल फेसबुक भर्ती सेहो शुरू क देने अछि।