अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, March 11, 2010

सुपरटेक आनि रहल अछि सस्ता मकान

रियल एस्टेट केर नामी कंपनी सुपरटेक काल्हि ईको-विलेज परियोजना केर शुरुआत कएलक। एहि योजनांतर्गत,कंपनी किफायती कीमत बला ६०००आवासीय इकाइ केर निर्माण करत। ई परियोजना नोएडा एक्सटेंशन में ५० एकड़ जमीन पर शुरू कएल गेल छैक। परियोजनाक मुख्य उद्देश्य समाज कें सभ वर्गकें पर्यावरण अनुकूल आवास उपलब्ध कराएब छैक। परियोजना में विश्वस्तरीय सुविधा आ आधारभूत ढांचा उपलब्ध करएबाक आश्वासन देल गेल छैक।
परियोजना चारि चरण में पूरा हएत। पहले चरण मे, यानी १५ महीना के दौरान, करीब १५०० फ्लैट बनत। प्रत्येक रूम सेट केर क्षेत्रफल ५५० वर्ग फुट तक रहत जकर कीमत १० लाख सं किछु बेसी रहत, हालांकि कंपनी आगामी १० दिनक लेल ग्राहक कें दू फीसदी केर छूट सेहो द रहल छैक जाहि कारणें वास्तविक कीमत ९.८५ लाख रुपय्या रहि जएतैक। परियोजना मे, एक रूम सं लकए चारि रूम सेट धरिक निर्माण कएल जाएत।