अपनेक स्वागत अछि।

Monday, March 15, 2010

मुकेश अंबानी खेल कारोबार मे

मुकेश अंबानी केर रिलायंस इंडस्ट्रीज आर खेलकूद केर मार्केंटिंग कएनिहार कंपनी आईएमजी वर्ल्डवाइड देश मे खेल कारोबार के लेल एकटा कंपनी शुरू करए जा रहल अछि। एहि मे दुनू कंपनीकबराबर कें हिस्सेदारी रहत। काल्हि एहि संबंध मे दुनू कंपनीक बीच समझौता भेलैक। आईएमजी रिलायंस नामक ई कंपनी देश में विश्व स्तरीय ढांचागत सुविधा उपलब्ध कराओत आ कोचिंग देत जाहि सं देश मे बेहतर खिलाड़ी तैयार भ सकए।
आईएमजी ब्रैडेंटन, फ्लोरिडा में आईएमजी अकादमी चलबैत अछि जाहि मे गोल्फ आ टेनिस समेत आनो खेल मे खिलाडी सभ कें प्रशिक्षण देल जाइत छैक। मुकेश अंबानी के कहब छन्हि जे ई कंपनी युवा खिलाडी सभकें प्रोत्साहन देबाक लेल काज करत।