अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, March 11, 2010

बच्चा सभहक लेल मध्यस्थता केंद्र

आब जं माए-बाप बच्चा सभ कें पीटताह तं बच्चा सभ ओकर बाकायदा शिकायत क सकत। दिल्ली सरकार एहि लेल 13 स्थान पर मीडिएशन सेंटर (मध्यस्थता केन्द्र)खोलए जा रहल अछि।पश्चिमी देश सभ मे बच्चा कें ई अधिकार छैक जे जं माए-बाप पीटए अथवा अत्याचार करए तं बच्चा शिकायत क सकैत अछि। दिल्ली अथवा देश मे अन्यत्र मोटामोटी एहि तरहक समस्या नहि उत्पन्न होइत छैक किएक तं एहि देश मे सामाजिक ताना-बाना कनेक फराक छैक। तइयो,छिटपुट रूप सं एहि तरहक शिकायत अबिते रहैत छैक।एखन विकास भवन में एक मीडिएशन सेंटर काज क रहल छैक आ दोसर केंद्र पटपड़गंज में तैयार भ गेल अछि आ ईहो जल्दीए चालू हएत। कस्तूरबा गांधी मार्ग, राजपुर रोड, पीतमपुरा सहित दिल्ली में १३ स्थानों पर ई सेंटर स्थापित कएल जाएत।