अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, September 30, 2010

रेडियो मिर्ची कें अंतरराष्ट्रीय पुरस्कार

निजी एफएम चैनल ‘‘ रेडियो मिर्ची ’’ कें भारत में मानव तस्करी संबंधी रिपोर्ट के लेल इंटरनेशनल रेडियो अवार्डस, न्यूयार्क में ‘‘सिल्वर’’ पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेल अछि।

रेडियो मिर्ची कें ई पुरस्कार ओकर दिल्ली ब्रेकफास्ट शो ‘‘ हाय दिल्ली ’’ कार्यक्रम के लेल देल गेल छैक जकर प्रस्तुतकर्ता सौरभ आर अनंत छथि।

इंटरनेशनल रेडियो अवार्डस न्यूयार्क समारोह के एक हिस्सा छैक जाहि मे दुनिया भरि कें करीब 180 रेडियो स्टेशन प्रतिस्पर्धी छल। न्यूयार्क समारोह कें ई 54म साल अछि। रेडियो जॉकी सौरभ आर अनंत मैनहट्टन मे एक भव्य समारोह में ई सम्मान स्वीकार कएलनि।

Thursday, September 23, 2010

राष्ट्रमंडल खेल कार्ड पर मधुबनी पेंटिंग

राष्ट्रमंडल लेल निर्मित फ्लैट मे मधुबनी पेंटिंग केर प्रयोग देया एहि ब्लॉग पर पाठक लोकनि कें अवगत कराओल गेल छल। आब राष्ट्रमंडल खेलक कार्ड पर सेहो मधुबनी पेंटिंग केर प्रयोग कएल जा रहल अछि। आजुक अमर उजाला के संपादकीय कहैत अछि जे ई मधुबनी पेंटिंग केर लोकप्रियता के प्रकट करैत अछि। अखबार मोन पाड़ैत अछि जे गामघरक महिलालोकनि प्रारमभ मे एकर प्रयोग मूलतः माटिक देबाल पर करैत छलथि। मुदा आब ई कपड़ा,हस्तनिर्मित कागज आ कैनवास पर सेहो कएल जा रहल छैक। मान्यता छैक जे एहि पेंटिंग केर शुरुआत रामायण काल में भेल छल जखन मिथिला नरेश राजा जनक पुत्री सीता आर रामक विवाहक अवसर पर ई पेंटिंग करओलनि। एकर विषय प्रायः, हिंदू देवी-देवता आर प्रकृति सं संबंधित रहैत छैक आर एकरा विभिन्न त्योहार आ संस्कार पर बनाओल जाइत छैक।

देशे टा नहि,विदेशों मे एहि पेंटिंग केर बड़ प्रसिद्धि छैक। सामान्यतया, ई पेंटिंग स्त्रीलोकनि द्वारा कएल जाइत छैक आर ई पारंपरिक रूप सं पीढ़ी-दर-पीढ़ी हस्तांतरित होइत जाइत छैक। शुरू में ई दू तरहक बनाओल जाइत छलैक -अरिपन (अल्पना) आर कोहबर (भित्तिचित्र)। एहिमें प्राकृतिके संसाधन मात्र सं निर्मित रंगक प्रयोग कएल जाइत छैक। डब्लू. जी. आर्चर नामक एक ब्रिटिश अफसर 1934 के भूकंप के दौरान जखन एहि पेंटिंग कें देखलनि तं ओ किछु कलाकार लोकनिक काज कें संग्रहीत कएलनि आर ओकरा लंदन के इंडिया रिकॉर्ड ऑफिस ल गेलाह। ओ 15 बरखक गहन शोधक बाद 1949 में कला पत्रिका मार्ग में एक निबंध लिखिकए एहि पेंटिंग दिसि दुनिया कें ध्यानाकर्षण करओलनि।

वर्ष 1966 सं 1968 के दौरान बिहार में भयंकर सुखाड़ भेल छल। खेती चौपट भ गेल छल आ भयंकर अकाल सेहो पड़ल छल। ओहि समय खेती के अलावा आय केर आन विकल्पक तलाश मे, स्त्रीलोकनि पेंटिंग कें कागज आर कपड़ा पर बनाएब प्रारम्भ कएने छलीह। ऑल इंडिया हैंडीक्राफ्ट्स बोर्ड सेहो मधुबनी के महिलालोकनि कें कपड़ा पर चित्र बनएबाक लेल प्रोत्साहित कएलक। एहि विलक्षण पेंटिंग पर डाक टिकट सेहो जारी कएल जा चुकल अछि।

Saturday, September 18, 2010

दुनिया के सबसं छोट गीता लांच

लुधियाना के डिज्यो कंपनी के बनाओल दुनिया कें सबसं छोट श्रीभगवद्गीता काल्हि लांच कएल गेल। एकरा नैनो प्रौद्योगिकी के कमाल कहल जा रहल छैक। एहि गीता कें लंबाई-चौड़ाई मात्र एक-एक सेंटीमीटर छैक। कंपनी के सीईओ राजीव अरोड़ा के अनुसार,ई गीता क्रिस्टल पर लिखल गेल छैक। एहि मे सम्पूर्ण 18 अध्याय आ 700 श्लोक 24 कैरेट सोनां सं लिखल गेल छैक। एहि श्रीभगवद्गीता कें,पारंपरिक कुंदन कला कें उपयोग कए तैयार करबा मे एक लाख घंटा सं बेसी समय लागल अछि। लिखावट अतिसूक्ष्म आर 24 कैरेट सोना में छैक। निर्माण कुशलतापूर्वक कएल गेल छैक आ लिखावट एतेक सूक्ष्म छैक जे 150 गुणा माईक्रोस्कोप सं देखिएकए मंत्रोच्चार कएल जा सकैत अछि। ई नैनो तकनीक के नमूना छैक। कंपनी के कहब छैक जे ओ गणेश जी, लक्ष्मी और गणेश, जैन नमोकार मंत्र, दुर्गा जी, जपुजी साहिब आ सुखमनी साहिब सन-सन पावन मंत्र व गुरबाणी सेहो तैयार क चुकल अछि जकरा अगिला माह लांच कएल जाएत, जे संभवतः दुनिया के सबसं छोट लेख हेतैक। एकर बिक्री सं प्राप्त आमदनी प्रकाश चिल्ड्रन्स फाउंडेशन के देल जेतैक जे नेत्रहीनलोकनि कें आंखि लगएबाक लेल कार्यरत छैक। ज्ञातव्य जे एहि पोथी के 2008 मे लिम्का बुक ऑफ रिकार्ड्स मे शामिल कएल जा चुकल अछि।

Monday, September 13, 2010

पीड़ित सास आ पति कें फोरम

एकता कपूर के सीरियल सं निकलिकए सास,पुतहु आर साजिश आब घर-घर के कहानी बनल जा रहल अछि।

सास-ससुर सताएल छथि, पति परेशान छैक आर कानून सभटा पुतहुए के पक्ष में। इएह कारण छैक जे पारिवारिक विवाद के केस निपटएबाक लेल लोकसभ आब एनजीओ के सहारा ल रहल छथि। एहि क्रम मे,काल्हि सांझ चंडीगढ़ मे लेजर वैली के ग्राउंड मे मदर इनलॉ प्रोटेक्शन फोरम के दरबार में चंडीगढ़े टा के नहि अपितु आसपास के राज्य सभ सं सेहो पीड़ित पति आर सास-ससुर अपन समस्या ल कए पहुंचलाह।

फोरम के लीगल एडवाइजर अरुण गुप्ता के कहब छन्हि जे ‘कानून में सिर्फ पत्नी पक्ष कें गंभीरता सं लेल जाइत छैक। पति-पत्नी के बीच मामूली विवाद कें दहेज कें केस बनाकए पति आ ओकर परिवार वला सभ कें दोषी मानल जाइत छैक। हालांकि एखन धरि दहेज विवाद मे सजा 2 फीसदी मात्र मामिला मे भेटल छैक। 98 फीसदी केस फर्जी साबित भ जाइत छैक। जाहि तेजी सं एहि तरहक मामिला बढ़ि रहल छैक, ओहि सं त युवा वर्ग कें विवाह पर सं भरोसे उठल जा रहल छैक।

मोहाली सं एक पीड़ित पति के बहिनोय फरियाद ल कए आएल छलाह। हुनकर सारक विवाह अमरीका मे भेल छलन्हि। ओहि ठाम विवाद भेलापर कनिया दहेज उत्पीड़न के केस क देलकन्हि। मोहाली में पति के परिवार वला सभ के सेहो झूठ केस मे फंसाओल गेल।


फोरम की अध्यक्ष मनजीत पुरी के कहब छन्हि जे ओना तं पीड़ित परिवार के कानूनी सलाह के जरिए सही रास्ता देखएबाक प्रयास कएल जाइत छैक मुदा आब एहि सभ तरहक केस संबंधी कानून में संशोधन की जरूरत महसूस कएल जा रहल छैक। कानून की किताब मे सभटा अधिकार जनानिए सभहक पक्ष मे छैक, पुरुष के पक्ष में किछु नहि। तें,फोरम फर्जी दहेज केस सं पीड़ित लोकनिक लेल हेल्पलाइन शुरु कएलक अछि।

गुप्ता के कहब छन्हि जे अपन देश में एनिमल वेलफेयर के लेल तं मंत्रालय छैक, परञ्च पुरुष सभहक कल्याण कें लेल किछु नहि। वुमन एम्पावरमेंट के नाम पर पति आर परिजन कें फंसाएल जा रहल छैक(मनोज अपरेजा,दैनिक भास्कर, चंडीगढ़,13.9.2010)।