अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, January 31, 2010

गाजियाबादक मकान कें रजिस्ट्री छह मासक भीतर ज़रूरी

राजस्व विभाग केर नव आदेशक अनुसार, गाजियाबाद विकास प्राधिकरण कें आवंटीलोकनि कें आब बेसी स्टांप शुल्क देबए पड़तनि। संगहि,जं आवंटित मकान अथवा प्लॉट के छह मासक भीतर रजिस्ट्री नहिं कराएब तं डीएम के सर्किल रेट पर रजिस्ट्री कराबए पड़त। कोनहुं संपत्ति कें रजिस्ट्री ओकर आवंटन कें छह मासक भीतर करओला पर, निर्धारित सेक्टर मूल्य पर रजिस्ट्री होइत छैक। जे आवंटी एहि समय-सीमाक भीतरे रजिस्ट्री नहिं करओताह,हुनका बेसी स्टाम्प शुल्क देबए पड़तनि। ज्ञातव्य जे डीएम द्वारा तय सर्किल रेट पर रजिस्ट्री कराएब बड्ड महग पड़ैत छैक। गाजियाबाद विकास प्राधिकरण आग्रह कएलक अछि जे सरकार एहि नियम कें संशोधन केर बादे कार्यान्वित करए।
(दैनिक भास्कर,दिल्ली,30.1.10 में प्रकाशित खबरि पर आधारित)

Saturday, January 30, 2010

दिल्ली में विश्व पुस्तक मेला आइ सं। मैथिली पत्रिका सभ सेहो उपलब्ध

• प्रगति मैदान में 7 फरवरी तक चलत। 11 बजे सं 8 बजे राति तक।

• हॉल नं.-1,2,3,4,5,6,7,12 आ 14 में लागल अछि प्रदर्शनी ।

• टिकट 20 रूपया,नेना सभहक-10 रूपया।

• राजकमल प्रकाशन के दरियागंज कार्यालय में10 बजे सं 6 बजे तक टिकट मुफ्त उपलब्ध। प्रतिदिन ओकर स्टॉल पर पहिल 10 पाठक कें 100-100 टका केर पोथी सेहो मुफ्त भेटत।

• सोम सं शुक्र धरि शिक्षकक साथ यूनीफार्म में अएला पर बच्चा सभहक प्रवेश निःशुल्क।

• हॉल नं. 14,स्टैंड-एस1-2 में मिथिला दर्शन केर स्टॉल छैक।

अंतिका प्रकाशन केर स्टॉल हॉल नं. 12-ए,स्टॉल नं. 6 पर।

मिथिलांगन पत्रिका हॉल नं. 2 में स्टॉल सं. 624-626 पर(फोनः23371275) पर उपलब्ध अछि।

• पार्किंग सुविधा भैरों रोड पर सशुल्क। बोट क्लब आ इंडिया गेट पर सेहो पार्किंग सुविधा।

मैथिली-भोजपुरी कवि सम्मेलन


















(राष्ट्रीय सहारा,दिल्ली,1.2.10)





















(नई दुनिया,दिल्ली,30.1.10)

Friday, January 29, 2010

"कहू त"(3) केर परिणाम

नव स्तंभ "कहू त" श्रृंखला केर भाग-3 में पूछल गेल प्रश्न छलः-
कोन दालि कें सुस्वादु बनएबा लेल ओहि में घी पड़ब आवश्यक रहैत छैक?
विकल्प छलः-
मूंग
मसूर
खेसारी
राहड़ि
सही उत्तर अछि-राहड़ि। कहबी सेहो छैकः घी कथी में हेरायल तं राहड़िक दालि में। मतदान में शामिल भेनिहारलोकनिक उत्तर एकदम ठीक छल। सही विकल्प बतओनिहार कें बधाई।
नव प्रश्न देखू आ फेर वोट करू। जं प्रतिभागीलोकनि अपन उत्तर sujhavpeti@gmail.com पर सेहो पठाबथि,तं हुनक नाम उत्तर केर संग प्रकाशित कएल जाएत।



मिथिलांचल-सीमांचल में पसरैत आतंकवाद

पछिला दिन पूर्णिया में एक बांग्लादेशी नागरिक आ अलकायदा के एक संदिग्ध आतंकी केर गिरफ्तारी सं ई आशंका प्रबल भेल अछि कि एहन तं नहिं जे मिथिलांचलक बाद आब सीमांचलो कें आतंकवादी सुरक्षित अड्डा बुझए लागल छैक? पूर्णिया जिला पुलिस एही सप्ताह, अलकायदा प्रशिक्षित अफगानी मूलक संदिग्ध आतंकी गुलाम रसूल खान उर्फ मिर्जा खान कें गिरफ्तार कएने छल,जे पछिला डेढ़ माह सं नेपाल में रहि रहल छल आ विराटनगर सं जोगबनी होइत पूर्णिया आएल छल। ओकर योजना पूर्णिया सं सिलीगुड़ी जा कए ओतए मवेशी तस्कर केर मदति सं बांग्लादेश होइत अफगानिस्तान जएबाक रहए। पाकिस्तान के कराची में अलकायदा प्रशिक्षित मिर्जा खान भारत, नेपाल, बांग्लादेश, दुबई, पाकिस्तान आ अफगानिस्तान केर यात्रा कतेको बेर क चुकल छल । पूर्णिया पुलिस 11जनवरी कए चूनापुर हवाई अड्डा के कैंप एरिया सं एक बांग्लादेशी नागरिक तौफीक के सेहो गिरफ्तार कएने छल। तौफीक बांग्लादेश के कंसार जिला के मलिकपुर थाना अंतर्गत चक्ति गामक निवासी अछि। ओकरा सं उत्तर भारत के तेल शोधक संयंत्रक नक्शा भेटलैक।
आतंकी सभ सं बिहारक तार पहिनहुं जुड़ैत रहल छैक। पटना पुलिस सीतामढ़ी निवासी आ सेना सं निष्कासित जवान सुधांशु सुधाकर कें पाकिस्तानी खुफिया एजेंसी आईएसआई के लेल मुखबिरी करबाक आरोप में, पछिला बरख 21 सितंबर कए पटना के कंकड़बाग थाना इलाका सं, किछु महत्वपूर्ण सैन्य दस्तावेजक संग गिरफ्तार कएने छल। एसएसबी सेहो पछिले बरख 8 अप्रैल कए मधुबनी के देवधा थाना क्षेत्र सं भारत में घुसि रहल पाकिस्तानी मुख्तार अली खान के धएने छल। ओकरा सं पाकिस्तानी, नेपाली आ सऊदी अरब केर मुद्रा बरामद भेल छल। विगत किछु बरख में,देश में भेल किछु प्रमुख आतंकी घटना केर तार नेपाल सं सटल बिहार के मिथिलांचल क्षेत्र में पड़एवला वाला जिला आ खासकए दरभंगा आ मधुबनी सं जुड़बाक पुख्ता सबूत पुलिस कें भेटल छल। गत वर्ष जून में दिल्ली सं गिरफ्तार लश्कर-ए-तय्यबा केर सदस्य मो. उमर मदनी सहित इस इलाका सं प्रदेश के बाहर पढ़ाई करबालेल आ नौकरी लेल गेल युवक कें आतंकवादी सभहक कुसंगति में पड़बाक बात प्रकट भ चुकल छैक। मधुबनी के बलकटवा गामक मदनी नेपाल चलि गेल छल आ ओतहि सं आतंकवादी कें प्रशिक्षण आ धन देबाक कारोबार चलबैत छल। उत्तरप्रदेश के रामपुर स्थित सीआरपीएफ कैंप में विस्फोट सहित कतेको आन आतंकी घटना में शामिल सबाउद्दीन उर्फ फरहान अहमद कें 10 जनवरी 2008 कए लखनऊ सं गिरफ्तार कएल गेल छल। ऊहो मधुबनी के बाशिंदा छल। ओकर संबंध आतंकी संगठन लश्कर-ए-तय्यबा सं हेबाक पता लागल छल। मधुबनीए कें एक आओर युवक मोहम्मद कलाम कें मुंबई ट्रेन बम विस्फोट कांड में गिरफ्तार कएल गेल छल। दरभंगा के फजलुर रहमान कें 3वर्ष पूर्व उत्तर प्रदेश में गिरफ्तार कएल गेल छल आ ओकर संबंध अंडरव‌र्ल्ड सरगना दाऊद इब्राहीम गिरोह सं पाओल गेल छल।
(दैनिक जागरण,25 जनवरी,2010)




















(हिंदुस्तान,पटना,गणतंत्र दिवस,2010)

भारतीय लेखक-प्रकाशक इंटरनेट पर पोथी उपलब्ध करएबाक विरोध में
















(नई दुनिया,दिल्ली,29.1.10)

प्रांगण में भोजपुरी समेत 5भाषा केर नाटक। मैथिली वला सभ सुतल छथि


(हिंदुस्तान,पटना,29.1.10)

अंग्रेजी की-बोर्ड सं हिंदी में टाइप करू

हिंदी,बंगाली,ग्रीक,गुजराती,कन्नड़,मलयालम,मराठी,नेपाली,पंजाबी,तमिल,तेलगु,अरबी,फारसी आ उर्दू में भेटत ई सुविधा









(नई दुनिया,दिल्ली,29.1.10)

Wednesday, January 27, 2010

संसद जकां सेंट्रल हॉल बनत बिहार में



















(हिंदुस्तान,पटना,28.1.10)





















(नई दुनिया,दिल्ली,27.1.10)

विशेष न्यायालय विधेयक केंद्र सं मंजूर। दू-नंबरी संपत्ति पर सरकार करत कब्जा









(हिंदुस्तान,पटना,28.1.10)





















(संपादकीय,नई दुनिया,दिल्ली,28.1.10)






















(नई दुनिया,दिल्ली,27.1.10)

पद्म पुरस्कारःबड्ड बुझएला पर मानलनि शास्त्रीजी





































(नई दुनिया,दिल्ली,27.1.10)


(हिंदुस्तान,पटना,गणतंत्र दिवस,2010)

Tuesday, January 26, 2010

मिथिलांचल-सीमांचल में पसरैत आतंकवाद

(नई दुनिया,दिल्ली,31.1.10)
पछिला दिन पूर्णिया में एक बांग्लादेशी नागरिक आ अलकायदा के एक संदिग्ध आतंकी केर गिरफ्तारी सं ई आशंका प्रबल भेल अछि कि एहन तं नहिं जे मिथिलांचलक बाद आब सीमांचलो कें आतंकवादी सुरक्षित अड्डा बुझए लागल छैक? पूर्णिया जिला पुलिस एही सप्ताह, अलकायदा प्रशिक्षित अफगानी मूलक संदिग्ध आतंकी गुलाम रसूल खान उर्फ मिर्जा खान कें गिरफ्तार कएने छल, जे पछिला डेढ़ माह सं नेपाल में रहि रहल छल आ विराटनगर सं जोगबनी होइत पूर्णिया आएल छल। ओकर योजना पूर्णिया सं सिलीगुड़ी जा कए ओतए मवेशी तस्कर केर मदति सं बांग्लादेश होइत अफगानिस्तान जएबाक रहए। पाकिस्तान के कराची में अलकायदा प्रशिक्षित मिर्जा खान भारत, नेपाल, बांग्लादेश, दुबई, पाकिस्तान आ अफगानिस्तान केर यात्रा कतेको बेर क चुकल छल । पूर्णिया पुलिस 11 जनवरी कए चूनापुर हवाई अड्डा के कैंप एरिया सं एक बांग्लादेशी नागरिक तौफीक के सेहो गिरफ्तार कएने छल। तौफीक बांग्लादेश के कंसार जिला के मलिकपुर थाना अंतर्गत चक्ति गामक निवासी अछि। ओकरा सं उत्तर भारत के तेल शोधक संयंत्रक नक्शा भेटलैक।
आतंकी सभ सं बिहारक तार पहिनहुं जुड़ैत रहल छैक। पटना पुलिस सीतामढ़ी निवासी आ सेना सं निष्कासित जवान सुधांशु सुधाकर कें पाकिस्तानी खुफिया एजेंसी आईएसआई के लेल मुखबिरी करबाक आरोप में, पछिला बरख 21 सितंबर कए पटना के कंकड़बाग थाना इलाका सं, किछु महत्वपूर्ण सैन्य दस्तावेजक संग गिरफ्तार कएने छल। एसएसबी सेहो पछिले बरख 8 अप्रैल कए मधुबनी के देवधा थाना क्षेत्र सं भारत में घुसि रहल पाकिस्तानी मुख्तार अली खान के धएने छल। ओकरा सं पाकिस्तानी, नेपाली आ सऊदी अरब केर मुद्रा बरामद भेल छल। विगत किछु बरख में, देश में भेल किछु प्रमुख आतंकी घटना केर तार नेपाल सं सटल बिहार के मिथिलांचल क्षेत्र में पड़एवला वाला जिला आ खासकए दरभंगा आ मधुबनी सं जुड़बाक पुख्ता सबूत पुलिस कें भेटल छल। गत वर्ष जून में दिल्ली सं गिरफ्तार लश्कर-ए-तय्यबा केर सदस्य मो. उमर मदनी सहित इस इलाका सं प्रदेश के बाहर पढ़ाई करबालेल आ नौकरी लेल गेल युवक कें आतंकवादी सभहक कुसंगति में पड़बाक बात प्रकट भ चुकल छैक। मधुबनी के बलकटवा गामक मदनी नेपाल चलि गेल छल आ ओतहि सं आतंकवादी कें प्रशिक्षण आ धन देबाक कारोबार चलबैत छल। उत्तरप्रदेश के रामपुर स्थित सीआरपीएफ कैंप में विस्फोट सहित कतेको आन आतंकी घटना में शामिल सबाउद्दीन उर्फ फरहान अहमद कें 10 जनवरी 2008 कए लखनऊ सं गिरफ्तार कएल गेल छल। ऊहो मधुबनी के बाशिंदा छल। ओकर संबंध आतंकी संगठन लश्कर-ए-तय्यबा सं हेबाक पता लागल छल। मधुबनीए कें एक आओर युवक मोहम्मद कलाम कें मुंबई ट्रेन बम विस्फोट कांड में गिरफ्तार कएल गेल छल। दरभंगा के फजलुर रहमान कें 3 वर्ष पूर्व उत्तर प्रदेश में गिरफ्तार कएल गेल छल आ ओकर संबंध अंडरव‌र्ल्ड सरगना दाऊद इब्राहीम गिरोह सं पाओल गेल छल।
(दैनिक जागरण,25 जनवरी,2010)





















(हिंदुस्तान,पटना,गणतंत्र दिवस,2010)

शंख की बाजए जखन कंठे मरल अछि....


देश तों की आई शुचि,सुन्दर लगै छह!
आइ आंगन में मिलन-मेला जगै छह!
राजपथ पर लहरि,लोकक भीड़ उमड़ल!
आ गगन में हर्ष-पुष्पक मेघ घुमड़ल!

आइ पाबनि,पर्व पुण्यक,मुक्ति गंगा
आइ पुलकित प्राण,लोकक मोन-चंगा
आइ जे विजयी ध्वजा फहरा रहल छह!
आइ जे आनंद-धारा में बहल छह!

कीर्ति तोरे स्वर्ण-अक्षर में लिखल छह?
पएर की तोरे मुकुट स्वर्गक पड़ल छह?
की किरण सं भेल चोन्हर आंखि हमरे?
की कटल अछि मन-विहंगक पांखि हमरे?

की सनातन सत्य हमरा नहिं सुझै अछि?
की हमर परिवेश हमरा नहिं बुझै अछि?
देश हमरे आइ चीन्है अछि न हमरा
भेल अछि अनजान फूलक लेल भमरा ।

ई विपत्तिक बात ककरा के सुनाबए?
मोन में सन्ताप,बाहर गीत गाबए
ई विरोधाभास जीवन में भरल अछि
शंख की बाजए जखन कण्ठे मरल अछि!

हे स्वदेशक मीत,तोहर जीत में हम
हारि अपनो बिसरि,देबह संग निर्मम!
आइ जे हम एक छी,हम एक देशक
एक आत्मा छी अमर,ने चर्च क्लेशक!
-आरसी प्रसाद सिंह

Sunday, January 24, 2010

बद्रीनाथ केर कपाट 19 मई कए खुजत





(हिंदुस्तान,पटना,21.1.10)

गया-जमालपुर पैसेंजर ट्रेनक समय नोट करू





(हिंदुस्तान,पटना,23.1.10)

डीटीएच कनेक्शनःए टू जेड





(हिंदुस्तान,पटना,23.1.10)

पटना सं रांची लेल सरकारी बस आब उपलब्ध





(हिंदुस्तान,पटना,23.1.10)

फर्जी होमियोपैथी डाक्टरलोकनि कें बचब आब मोसकिल





(हिंदुस्तान,पटना,23.1.10)

स्कूली छात्र कें तीन टका में सिनेमा





(हिंदुस्तान,पटना,23.1.10)

घुसखोर कें पकड़बाऊ, ईनाम पाऊ




(हिंदुस्तान,पटना,24.1.10)




(हिंदुस्तान,17.1.10)

मांगलिक दोष निवारण





(हिंदुस्तान,पटना,24.1.10)

देखू की छैक टाटा केर पर पे कॉल फ्लेक्सी प्लान





(हिंदुस्तान,पटना,24.1.10)

भभुआ केर मुंडेश्वरी मंदिर में तंडुल प्रसाद वितरण फेर शुरू





(हिंदुस्तान,पटना,24.1.10)

नॉन-स्टिक बर्तन आ स्वास्थ्य





(हिंदुस्तान,पटना,22.1.1.10)

Friday, January 22, 2010

बचि सकैत छलाह फणीश्वरनाथ रेणु














(हिंदुस्तान,पटना,22.1.10)

देव सूर्य महोत्सव आई सं औरंगाबाद में




(हिंदुस्तान,पटना,22.1.10)

वैशाली,गया आ जहानाबाद में पैड्ल बोटिंग शुरु






(हिंदुस्तान,पटना,22.1.10)

पटना में फ़िल्म सिटी लेल दू साल बादो ज़मीन नहिं




(हिंदुस्तान,पटना,22.1.10)

ठनका बीमा डेढ़ लाख कें




(हिंदुस्तान,पटना,22.1.10)

"कहू त"(2) केर परिणाम

एहि ब्लॉग पर प्रारम्भ कएल गेल रुचिगर जानकारी आधारित कॉलम "कहू त" श्रृंखलाक केर दोसर प्रश्न छलः-
कोन चीजक खेती देया कहल गेल छैक जे ओकर फसिल तीन बेर पटौनी भेलाक बादे नीक भ सकैत छैक?
विकल्प छलः-
-कुसियार
-गहूम
-राहड़ि
-मकई
पाठक लोकनि सही उत्तर धरि नहिं पहुंच सकलाह। सभ वोटकर्ता गहूम विकल्प कें चुनलनि मुदा सही उत्तर छैक-कुसियार
एहि स्तंभक प्रतिएं पाठक लोकनिक प्रतिक्रिया उत्साहवर्द्धक छैक। निरंतर उपयोगी आ ज्ञानवर्द्धक प्रश्न शामिल करबाक प्रयत्न रहत। जं अहां कोनो प्रश्न एहि कॉलम में शामिल करए चाहैत छी,तं sujhavpeti@gmail.com पर मेल कए सकैत छी।