अपनेक स्वागत अछि।

Friday, January 29, 2010

"कहू त"(3) केर परिणाम

नव स्तंभ "कहू त" श्रृंखला केर भाग-3 में पूछल गेल प्रश्न छलः-
कोन दालि कें सुस्वादु बनएबा लेल ओहि में घी पड़ब आवश्यक रहैत छैक?
विकल्प छलः-
मूंग
मसूर
खेसारी
राहड़ि
सही उत्तर अछि-राहड़ि। कहबी सेहो छैकः घी कथी में हेरायल तं राहड़िक दालि में। मतदान में शामिल भेनिहारलोकनिक उत्तर एकदम ठीक छल। सही विकल्प बतओनिहार कें बधाई।
नव प्रश्न देखू आ फेर वोट करू। जं प्रतिभागीलोकनि अपन उत्तर sujhavpeti@gmail.com पर सेहो पठाबथि,तं हुनक नाम उत्तर केर संग प्रकाशित कएल जाएत।