अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, January 05, 2010

मैथिली ब्लॉगिंग में नव अध्याय

नववर्ष में,एहि ब्लॉगक सहोदर http://www.maithilionline.blogspot.com/ पर दू गोट नव स्तम्भक प्रकाशन प्रारम्भ कएल जा रहल अछि। पहिल स्तम्भ अछि-"किदन कहै छै" । एहि साप्ताहिक स्तम्भक प्रारम्भ गपशप सं अलोपित्त भेल जा रहल कहबी सभ दिस पाठकलोकनिक ध्यानाकर्षण करबाक लेल कएल जा रहल छैक। हमरा जनितब,इन्टरनेट पर एहि प्रकारक प्रयास पहिल बेर कएल जा रहल छैक। कहबी सभहक रूचि के विषय छैक आ मैथिलीक सरसता बरकरार रखबाक लेल ज़रूरी सेहो। ओहि ब्लॉग पर एकटा आओर नव कॉलम वर्ग-पहेली केर प्रारम्भ काल्हि सं कएल गेल छैक। हिंदी आ अंग्रेजी केर वर्ग-पहेली केहन-केहन लोक खेलाइत छथि । हमर आग्रह जे अहां ओकरा बनएबाक प्रयास क कए देखियौक। बहुत किछु नवीनता देखबैक। वर्ग पहेली प्रत्येक महीना के प्रथम सप्ताह में प्रकाशित कएल जाएत।सहयोग आ सुझाव sujhavpeti@gmail.com पर सादर आमंत्रित अछि।