अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, January 07, 2010

कहू त

नववर्ष में,एहि ब्लॉग पर एक गोट नव साप्ताहिक स्तम्भ "कहू त" केर प्रारम्भ कएल जा रहल अछि। एहि स्तम्भक उद्देश्य एहन तथ्य सभकें प्रकाश में आनब छैक,जहि देया हम सभ बजैत-सुनैत-पढ़ैत आएल छी मुदा ओकर कोनो रोचक पक्ष नहिं बूझल अछि । एहि स्तम्भ में एहनो सूचना सभहक समावेश कएल जाएत जहि देया बूझब ज्ञानवर्द्धक छैक। जं पाठकलोकनि एहि प्रकारक कोनो सूचना एहि ब्लॉग पर देबए चाहैत छथि,तं ओ sujhavpeti@gmail.com पर पठा सकैत छथि। सहयोगीलोकनि सं प्राप्त एहि प्रकारक सूचना हुनक नामक संग प्रकाशित कएल जाएत। एहि ब्लॉग पर नवोन्मेषी लोकनिक स्वागत अछि। जं अहां एहि ब्लॉग पर कोनो नव प्रकारक स्तम्भ शुरु करए चाहैत छी अथवा प्रारम्भ कएल जएबाक इच्छुक छी,तं सेहो लिखू।