अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, January 16, 2010

मैथिली साहित्य में नवारम्भ

मैथिलीक एक आओर पत्रिका आब उपलब्ध अछि। पटना सं अजित कुमार आजाद जी केर संपादन में प्रकाशित नवारम्भ केर प्रवेशांक बजार में आबि गेल छैक। एहि द्विमासिक पत्रिका केर पहिल अंकक सामग्री पर एक दृष्टिः-
1. समस्याक टाल पर मिथिला(संपादकीय)
2. ससरैत संस्कृति- प्रेमचंद मिश्र
3. प्रो. मायानंद मिश्रक निबन्ध साहित्य-डॉ. योगानंद झा
4. पाश्चात्य साहित्य आ हरिमोहन झाक व्यंग्य- विनोद कुमार झा
5. जीवकान्तःमैथिलीक वर्ड्सवर्थ- डॉ. धनाकर ठाकुर
6. भाषाक सुखाइत विरासत- पंचानन मिश्र
7. एक बेर फेर फेकू जाल महाराज जी(कथा)-विभा रानी
8. सतिया(कथा)- डॉ. अरविन्द अक्कू
9. धूमकेतु,डॉ. इन्द्रकांत झा,रामलोचन ठाकुर,शंभु नाथ ठाकुर, मेनका मल्लिक,अनमोल झा,रघुनाथ मुखिया, सच्चिदानंद सौरभ,अरविंद सोनू,योषितानंद लाल दास गोविन्द आ रामसेवक ठाकुरक कविता
10. महिला सशक्तिकरणःभारतीय संदर्भ-सुशीला झा
11. बोर्ड परीक्षाःशिक्षा पर राजनीति-कमल मोहन चुन्नू
12. सीताकुण्ड में पिण्डदान-नारायणजी
13. निराशोर्निर्ममो भूत्वा-त्रिलोकीबाबू त्रिकालज्ञ
14. जीवन जीबाक कला सिखबैछ रंगमंच-कुमार गगन
15. बाढ़िक विरुद्ध डमरुक तुमुलनाद-किसलय कृष्ण
16. बाबा विद्यापतिक नाम पर (प्रतिनिधिक रिपोर्ट)
17. फिल्मी परदा पर विद्यापतिक अवतरण-किसलय कृष्ण
18. अगिला बेर ओसामा-रासीमा चौधरी
19. कृष्णमोहन झाक पोथी एकटा हेरायल दुनियाक समीक्षा-मानेश्वर मनुज
20. मैथिलीक बेछप आंचलिक उपन्यास महाकल्प-डॉ. इन्द्रकांत झा
21. बानर महासभा(व्यंग्य)-बैद्यनाथ विमल
22. सम्मानित लोकनिकें बधाई