अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, August 21, 2010

पृथक मिथिला राज्यक मांग ल कए प्रदर्शन

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के तत्वावधान में पृथक मिथिला राज्यक मांग ल कए मिथिलावासीलोकनि काल्हि जंतर-मंतर पर प्रदर्शन कएलनि। अध्यक्षत छलाह डा. वैधनाथ चौधरी। प्रदर्शन में सांसद कीर्ति झा आजाद, माहेश्वर हजारी, महाबल मिश्रा व विधायक अनिल कुमार झा शामिल भेलाह। बाद में ई लोकनि गिरफ्तारी सेहो देलनि। एहि दौरान प्रदर्शनकारी ..भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही के नारा लगबैत रहलाह। सांसद कीर्ति झा आजाद कहलनि जे मिथिलांचल के समस्याक हल अलग राज्य बनलहि सं संभव। हुनकर कहब रहनि जे क्षेत्र कें पृथक राज्यक दर्जा भेटलाक बादे आर्थिक, सामाजिक, राजनीतिक, भाषाई आर औद्योगिक आजादी सहित बाढ़ आ सुखाड़ सं मुक्ति भेट सकतैक। सांसद माहेश्वर हाजरी कें कहब छलन्हि जे बिना मिथिला राज्य के, मिथिलांचल वासी सभहक विकास संभव नहिं हएत। महाबल मिश्रा घोषणा कएलनि कि पृथक मिथिला राज्यक लेल ओ कोनहु तरहक कुर्बानी देमए लेल तैयार छथि। विधायक अनिल कुमार झा सेहो संबोधित कएलनि। अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के अध्यक्ष वैधनाथ चौधरी कें कहब रहनि कि आगामी अक्टूबर-नवंबर महीना मे बिहार मे विधानसभा चुनाव होमय जा रहल छैक। ओ मिथिलावासी लोकनिक भावना कें कद्र करैत राजनीतिक पार्टी सभ सं अपील कएलनि कि ओ सभ अपन घोषणा-पत्र में पृथक मिथिला राज्यक मांग कें जरूर स्थान दथि। एहि मौका पर सुधिकांत झा, दिनेश मिश्र, अवधेश चौधरी आ तपेश्वर लाल कर्ण सेहो मौजूद छलाह।

भास्कर के रांची संस्करण काल्हि सं

दैनिक भास्कर समूह रविवार 22अगस्त सं अपन 12म राज्य में प्रवेश क रहल अछि। ई संस्करण छैक झारखंड कें। भास्कर कें 49म संस्करण रांची सं रवि सं प्रकाशित होमय जा रहल अछि। झारखंड में कुल तीन संस्करण निकत जाहि मे रांची के बाद जमशेदपुर आर धनबाद शामिल हएत। दैनिक भास्कर घोषणा कएलक अछि जे बिहार सं सेहो दैनिक भास्कर के प्रकाशन शुरू कएल जाएत। ज्ञातव्य जे दैनिक भास्कर भारत कें सभ सं पैघ समाचार पत्र समूह छैक । ई समूह हिन्दीए टा नहि, गुजराती आर अंग्रेजी भाषा मे सेहो अखबार निकालैत अछि। झारखंड आ बिहार सं प्रकाशित भेलाक संगहि,भास्कर देश कें 50 प्रतिशत जनता तक पहुंचए वला अखबार भ जाएत।

Thursday, August 12, 2010

आब कागज पर गोदना चित्रकारी

मानव शरीर पर कएल जाए वला पारंपरिक गोदना कला कें आब आप पेन्टिंग के रूप में सेहो संकलित कएल जा सकत। कागज पर बनाओल गेल ई आकर्षक रंगीन प्रदर्शनी लखनऊ में कैसरबाग स्थित सनतकदा कें वीथिका में दलित फाउण्डेशन के सहयोग सं आयोजित कएल गेल छैक जे 24 अगस्त धरि चलत। महज पचास रुपय्या में उपलब्ध एहि प्रिंट सभ मे गाछ-वृक्ष, सूरज आ माछक चित्र बनाओल गेल छैक। संस्था के उद्देश्य दलित लोकनिक कला आर कलाकार कें संरक्षण प्रदान करब छैक। 1973-78 के दौरान जर्मन मानव शास्त्री एरिका मोजर मधुबनी स्थित गाँव जितवारपुर गेल छलाह। ओतए ओ दलित समाज में प्रचलित हस्तकला सभ पर एक गोट सिनेमा बनओने छलाह। ओ दुसाध जातिक जनानी सभ कें, आमदनी बढ़एबाक लेल गोदना कला कें कागज पर उतारबाक सलाह देने छलाह। दुसाध जातिक संबंध चौकीदारी के पेशा सं रहल छैक। मानल जाइत छैक जे ओ सभ महाभारत के चरित्र दुशासन के वंशज छथि। ज्ञातव्य जे सबसं पहिने चन्नो देवी गोदना आकृति कें कागज पर बनएबाक प्रारंभ कएने छलीह। हुनके नाम पर एकरा गोदना पेन्टिंग कहल जाए लगलैक। एहि पेंटिंग मे ग्रामीण जीवन आर अनुष्ठान सं जुड़ल गतिविधि, हिन्दू-देवी देवता आर हिन्दू लोकनिक पौराणिक नायक सभहक चित्र बनाओल जाइत छैक(हिंदुस्तान,लखनऊ,12.8.2010 मे प्रकाशित रिपोर्ट पर आधारित)।

Friday, August 06, 2010

मैथिली अकादमी के पुनर्गठन

बिहार सरकार मैथिली अकादमी के पुनर्गठन क देलक। कमला कांत झा अकादमी के अध्यक्ष बनाओल गेल छथि । मैथिली अकादमी के कार्यसमिति आ सामान्य परिषद के सेहो पुनर्गठन कएल गेल छैक। आरएन कालेज मधुबनी के मैथिली विभाग के डा. विभूति आनंद, एएन कालेज पटना हिन्दी विभाग के रीडर डा.कलानाथ मिश्र आर पटना विवि मैथिली विभाग के अध्यक्ष डा. विरेन्द्र नारायण झा कें सामान्य परिषद केंसदस्य बनाओल गेल छन्हि। एमएलएसएम कालेज दरभंगा के मैथिली के अवकाश प्राप्त विभागाध्यक्ष डा. उमाकांत झा आर तिलका मांझी विवि भागलपुर में रसायन विभाग के ज्योतिन्द्र चौधरी कें कार्य समिति के सदस्य मनोनीत कएल गेल छन्हि। ज्ञातव्य जे कार्यसमिति में 8 पदेन आर 15 मनोनीत सदस्य होइत छथि। सामान्य परिषद में 28 मनोनीत (कार्य समिति के 15 मनोनीत सहित) आर 21 पदेन सदस्य के पद छैक।