अपनेक स्वागत अछि।

Monday, June 28, 2010

पापड़ पोल


हास्य धारावाहिक के मशहूर चैनल सब टीवी पर आइ सं पापड़ पोल...शाहबुद्दीन राठौड़ की रंगीली दुनिया नामक धारावाहिक शुरु भ रहल अछि । ई धारावाहिक प्रख्यात लेखक शाहबुद्दीन द्वारा गढल गेल चरित्र के काल्पनिक दुनिया पर आधारित अछि । शाहबुद्दीन जी अपन हास्य प्रस्तुति के लेल दुनिया भरि में प्रसिद्धि अर्जित कएने छथि। धारावाहिक केर पात्र मध्यवर्गक साधारण लोक छ थि। पात्र सभहक ईमानदारी,देह-दशा,सहजता आ हास्यबोध देखए लायक छैक। धारावाहिक केर प्रसारण सोम सं ब्रैस्पति तक राति 8 बजे सं हएत।

Friday, June 04, 2010

जून,2010 के पाबनि-तिहार

4 जून-कालाष्टमी व्रत
5 जून-शीतलाष्टमी
6 जून-नवमी
8-अपरा/अचला एकादशी
9 जून-मधुसूदन द्वादशी
10 जून-वट सावित्री व्रत आरंभ। प्रदोष व्रत। शिवरात्रि व्रत।
11 जून-फलहारिनी कालिका पूजा
12 जून-शनिदेव अमावस्या,ज्येष्ट अमावस्या,वटसावित्री अमावस्या,पीपल पूजन,
13 जून-दस दिनक गंगा दशहरा-स्नान प्रारंभ
15-मिथुन संक्रांति तृतीया
16 जून-विनायक चतुर्थी,पंचमी
17 जून-विंध्यवासिनी पूजन,षष्टी
19 जून-दुर्गाष्टमी व्रत,श्रीअन्नपूर्णाष्टमी व्रत
21 जून-निर्जला एकादशी। आचार्य श्रीराम शर्मा के पुण्यतिथि,सौर वर्षाकाल प्रारंभ
23-प्रदोष
24-त्रयोदशी,आद्याशक्ति के महापूजा के विशेष योग
25 जून- पूर्णिमा व्रत। सत्यनारायण पूजा-कथा
26-ज्येष्ट/वटसावित्री/देवस्नान पूर्णिमा
30-गणेश चतुर्थी

Thursday, June 03, 2010

बिहार-दिल्ली समर स्पेशल

गरमी छुट्टी के दौरान भीड़ के देखैत रेल प्रशासन नई दिल्ली के वास्ते तीन-तीन ट्रेन चला रहल अचि। मंगल , ब्रैस्पति आ शनिकए दरभंगा आ पटना सं तथा बरौनी सं ब्रैस्पति कए आनंद विहार के लेल ट्रेन चलत। गाड़ी संख्या 0415 पटना आनंद विहार सप्ताह में तीन दिन पटना जंक्शन सं दुपहर 12.55 बजे चलिकए दानापुर, आरा, बक्सर, मुगलसराय, वाराणसी, सुलतानपुर, लखनऊ, बरैली, मुरादाबाद होइत अगिला दिन भोरे 9.15 बजे आनंद विहार पहुंचत। ई ट्रेन एक जुलाई तक चलत। घुरैत काल ई आनंद विहार सं 16.30 बजे चलत आर 11.15 बजे पटना जंक्शन पहुंचत। तहिना, गाड़ी संख्या 0423 दरभंगा-आनंद विहार टर्मिनल स्पेशल सप्ताह में तीन दिन दरभंगा सं भोरे 6.15 बजे चलिकए समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, सोनपुर, छपरा होइत अगिला दिन दुपहर 12.35 बजे आनंद विहार टर्मिनल पहुंचत। एहि ट्रेन में स्लीपर के 6, जेनरल के 12, एसएलआर के दू डिब्बा समेत कुल 20 डिब्बा रहत। गाड़ी संख्या 0581 बरौनी-आनंद विहार साप्ताहिक ट्रेन प्रत्येक ब्रैस्पति कए बरौनी सं चलिकए शाहपुर पटोरी, हाजीपुर, छपरा, बलिया, गाजीपुर सिटी, वाराणसी, लखनऊ, मुरादाबाद, गाजियाबाद होइत अगिला दिन 11.55 बजे आनंद विहार पहुंचत। वापसी में, ई साझ मे 5 बजे आनंद विहार सं चलिकए दोसर दिन 3.45 बजे बरौनी पहुंचत।

Tuesday, June 01, 2010

रेणु के आँगन में नीतीश














(हिंदुस्तान,पटना,31 मई,2010)

मान रहे तेरा.....................पिता

सोनी एंटरटेनमेंट टेलीविजन पर आइ सं मान रहे तेरा...........पिता धारावाहिक क रहल अछि। छत्तीसगढ़ के ब्रह्मपुर कोयला खान के पृष्ठभूमि पर आधारित एहि धारावाहिक में अनमोल नामक युवती के कहानी छैक जे अपन बाबूजी दुर्गाप्रसाद के संरक्षण दैत छैक आ हुनकर प्रतिष्ठा बहाल करैत छैक। दुर्गाप्रसाद के जीवन मे एक्कहि टा सेहंता छन्हि जे कोयला खदान मे काम बन्द हुअए ताकि ब्रह्मपुर के विनाश सं बचाओल जा सकए।
धारावाहिक मे,अनमोल के माए के,कोयला खान दुर्घटना मे स्वर्गवास भ जाइत छैक। अनमोल कें अपन बाबूजी के संरक्षण देबाक लेल लगातार संघर्ष करए पड़ैत छैक किएक तं शहर के लोक सभ हुनका पागल बुझए लागल छन्हि। लोक सभ दुर्गाप्रसाद के चेतावनी पर ध्यान नहि दैत छैक।
अनमोल के चच्चा कालीप्रसाद विधायक छथि। ओ बड्ड लोकप्रिय आ प्रभावशाली व्यक्ति छथि आ अनमोल कें अपन बेटी जकां मानैत छथिन्ह,यद्यपि आन गोटे सभ अनमोल कें उपेक्षित भाव सं देखैत छथि।
धारावाहिक कें प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं ब्रैस्पति तक राति आठ बजे सं हएत।