अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, April 21, 2011

गीत गोविंदक आठम कड़ीः ‘दरभंगा गीत गोविंद’

प्रेमक रहस्य आ भारतीय लघु चित्रण प्रथा पर आधारित ‘दरभंगा गीत गोविंद’ नामक पुस्तक केर विमोचन काल्हि उप-राष्ट्रपति डा. हामिद अंसारी कएलनि। अभिनव प्रकाशन सं छपल एहि पोथी केर विमोचन समारोह उप-राष्ट्रपति आवास में आयोजित कएल गेल छल।

एहि विषय मे आजुक दैनिक भास्कर लिखैत अछि जे समारोह मे, पोथी केर लेखिका डा. कपिला वात्स्यायन सहित कतेको गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह। कपिला वात्स्यायन कहलनि जे गीत गोविंद केर श्रंखला में ‘दरभंगा गीत गोविंद’ आठम पोथी अछि। एहि मे प्रेम आर रहस्य कें काव्यवद्ध कए पौराणिक परंपरा, भारतीय संस्कृति आओर रीति रिवाज कें वैविध्यपूर्ण चित्रण कएल गेल छैक।

एहि काव्यक अंतर्गत 18म शताब्दी सं एखन धरिक गुजरात, उड़ीसा, मणिपुर, तमिलनाडु, केरल आ आंध्र प्रदेश सन-सन कतेको राज्यक कलात्मक छवि कें बेहद काल्पनिक आ रूमानी ढंग सं प्रस्तुत कएल गेल छैक। बिहार आ आनो राज्य सभ मे गीत गोविंद कें काव्य सभहक वैवाहिक उत्सव क्रम मे कएल जाए वला गुणगान एकर महत्व कें आओर बढ़ा रहल अछि।

उल्लेखनीय जे लेखन के क्षेत्र में खास मुकाम हासिल कए चुकल डा. कपिला वात्स्यायन लोक सेवा आयोग में सचिव पद पर सेहो रहि चुकल छथि।

एतबे नहि, डा. कपिला वात्स्यायन एक लेखिका, अध्यापिका और शिक्षाविद हेबाक संगहि राज्यसभा में सेहो नामांकित भ चुकल छथि। हिनका राष्ट्रीय इंदिरा गांधी कला केंद्र केर संस्थापिका आर निर्देशिका हेबाक साथ-साथ भारत में कतेको उच्च शिक्षा संस्थान कें स्थापित करबाक श्रेय छन्हि। 2011 में  पद्म विभूषण पुरस्कार सेहो प्राप्त कए चुकल छथि।