अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, February 28, 2010

ससुराल गेंदा फूल

सासु-पुतहु कथा एक्सपर्ट स्टार टीवी काल्हि सं "ससुराल गेंदा फूल" नामक नव धारावाहिक प्रारंभ करए जा रहल अछि। ई मनोरंजक आ हास्य धारावाहिक छैक अमीर बापक बेटी सुहाना कें जे पिता कें कहला पर ईशान सं विवाह क लैत छैक मुदा मध्यवर्गीय,परंपरावादी सासुर मे स्वयं कें असहज महसूस करैत छैक।

सुहाना के रोल मे छथि रागिनी खन्ना आ ईशान कें भूमिका मे जय सोनी। ईशान एक सॉफ्टवेयर इंजीनियर छैक, जे अपन परिवारक आन सदस्यक विपरीत, अपन भावना कें ठीक तरहें व्यक्त नहि क पबैत छैक। ओकर कथा कत्तहु ठीक नहि भ पबैत छैक किएक तं अमोल पालेकर टाइप सादगी कें कारणे कोनो लड़की ओकरा पसंद नहि करैत छैक। परञ्च,सुहाना ओकरा पसंद क लैत अछि आ विवाहो भ जाइत छैक।

"ससुराल गेंदा फूल" में सहायक भूमिका में ईशान कें दादाजी के रोल में छथि सुधीर पांडे आ वहीं दादीजी कें रोल मे अनीता कंवल। ईशान कें बड़की माए शैलजा कें भूमिका में छथि सुप्रिया पिलगांवकर जे एक एहन महिला कें रोल क रहल छथि जनिका पति छोड़िकए अमरिका मे बसि गेल छैक आ ओही ठाम दोसर बियाहो क लैत छैक। घरक सभसं पैघ पुतहु केर रूप मे सभ हुनकर इज्जत करैत छन्हि आ घर मे हुनके अनुशासन चलैत छन्हि। सुहाना कें पिता के रोल महेश ठाकुर क रहल छथि। अन्य प्रमुख भूमिका में सूरज थापर, श्रुति उल्फत आ सादिया सिद्दीकी आदि कें देखब।

एहि धारावाहिक के माध्यम सं स्टार प्लस वास्तविक जीवन केर एहन घटना सभ कें देखाबए चाहैत अछि जाहि सं दर्शक कें अपनत्व भाव पैदा हुअए।

Thursday, February 25, 2010

रेडियो मे समाचारवाचक बनू

आकाशवाणी दिल्ली मे कैजु्अल समाचारवाचक-सह-अनुवादक केर रूप मे कार्य करबाक मोन हुअए,तं 1 मार्च तक आवेदन करू। रिक्ति हिंदी,संस्कृत,उर्दू समेत कतेको भाषा मे छैक। आकाशवाणी सं एहि रूप मे जुड़ब फायदेमंद एहि मायने मे छैक जे अन्यत्र फुलटाइम काज करितो एहि ठाम काज कए ठीक-ठाक पाइ कमा सकैत छी। प्रतिष्ठा आ अनुभव हासिल हएत से अलग। परीक्षा तीन चरण मे होइत छैकःलिखित,स्वर-परीक्षण आ साक्षात्कार। लिखित परीक्षा पूर्णतः करेंट अफेयर्स आधारित होइत छैक। लिखित परीक्षा मे अंग्रेजी सं हिंदी अनुवाद अंश महत्वपूर्ण होइत छैक। ध्यान रहए जे ई विज्ञापन एफएम रेडियो के लेल नहि छैक।

विज्ञापन आ फार्म प्रारूप देखबा लेल क्लिक करू।

बजट भाषण रेडियो पर


मीनाक्षी झाःमिथिला सं यूनीसेफ तक

होली स्पेशल ट्रेन समय-सारणी


नीतीश कें इंडियन ऑफ द ईयर अवार्ड


मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एनडीटीवी इंडियन ऑफ द ईयर अवार्ड,2009 केर विजेता छथि। काल्हि भेल समारोह मे रणवीर कपूर,प्रियंका चोपड़ा आ उद्योगपति आनंद महिंद्रा के सेहो ई पुरस्कार देल गेल अछि।
बैडमिंटन खिलाड़ी सायना नेहवाल कें स्पोर्ट्स पर्सन ऑफ द ईयर अवार्ड आ सचिन कें स्पोर्ट्स आइकन अवार्ड देल गेल। पछिला सितम्बर में लश्कर-ए-तय्यबा कें कमांडर कें मारनिहार 19 वर्षीया रुखसाना कौसर कें सेहो सम्मानित कएल गेलैक। रूचिका गिरहोत्रा केस कें एकमात्र गवाह आराधना गुप्ता के सेहो प्रशंसा कएल गेल।
इन्फोसिस प्रमुख नारायण मूर्ति कें पछिला 21 बरखक ग्रेटेस्ट बिजनेस आइकन पुरस्कार भेटलैक। समारोह में,अमिताभ बच्चन,ऐश्वर्या,शाहरुख,फाली एस.नरीमन,एल.के.आडवाणी,करन जौहर,जावेद अख्तर आ शबाना आजमी सेहो छलथि।

आइ सं थुकलहुं त थू-थू हएत





























(हिंदुस्तान,पटना,16 फरवरी,2010)

Wednesday, February 24, 2010

रेल बजट में बिहार-झारखंड


बिहार कें कुल आठ टा ट्रेनःतीन एक्सप्रेस,दू पसिंजर आ एक डेमू। दू टा भारत तीर्थ ट्रेन।

सर्वेक्षण कें अद्यतन करबाक प्रस्ताव

झाझा-गिरीडीह वाया सोनूचकाई
दोहरीकरण
किउल-गया





अगिला मास तक निर्माण पूरा हेबाक संभावना

मुजफ्फरपुर-सीतामढी रेलखंड पर सीतामढी-रनसैदपुर आ मुजफ्फरपुर-जुब्बासानी खंड
गोपालगंज में फुलवरिया-बथुआ बाजार
लोहरदग्गा-बड़की चम्पी
देवघर-चांदन रेलखंड
सकरी-हसनपुर रेलखंड पर बेरौल- कुशेश्वर स्थान खंड
रून्नी सैदपुर-जुब्बासानी खंड
गिरीडीह-कोडरमा खंड पर नावाडीह-धनबार के बीच
नेवड़ा-शेखपुरा के बीच धनियावान-बिहारशरीफ
कोडरमा-रांची के बीच बरकाकाना-खज्जू
फुलवारीशरीफ-पाटलिपुत्र
नव परियोजना
गया-नटेसर (नालंदा)
रेलखंड जाहि पर एहि वित्त वर्ष मे निर्माण कार्य पूरा भ जाएत
मानसी-सहरसा-मधेपुरा
आमान परिवर्तन प्रस्ताव
कटिहार-तेजनारायणपुर
जयनगर-दरभंगा-नरकटियागंज केर सीतामढी-बैरगनिया
दोहरीकरण प्रस्ताव
साहेबगंज-पीरपैंती
कर्मभूमि ट्रेन (अनारक्षित)
दरभंगा-मुंबई(साप्ताहिक)
गुवाहाटी-मुंबई वाया टाटानगर
न्यू जलपाईगुड़ी-अमृतसर वाया कटिहार-सीतापुर
नव ट्रेनक सेवा केर प्रस्ताव
किशनगंज-अमृतसर(साप्ताहिक)
रांची-जयनगर एक्सप्रेस(सप्ताह मे तीन दिन)
कोलकाता-दरभंगा एक्सप्रेस(सप्ताह मे दो दिन)
नव पैसेंजर ट्रेन
टाटानगर-हटिया
पटना-सासाराम
कटिहार-तेजनारायणपुर
धनबाद-झारग्राम
घाटशिला-हावड़ा
बख्तियारपुर-गया
फेरा वृद्धि
पटना-बंगलोर संघमित्रा एक्सप्रेस रोज चलत
रेल बजट 2010-11 केर आन विशेषता-
रेल किराया मे कोनो वृद्धि नहि
सात महीना के भीतर 117 नव ट्रेनक परिचालन शुरू।
सरकारी मेडिकल कालेज, आइआइटी, उच्च न्यायालय आर विभिन्न सार्वजनिक स्थान पर ई टिकट मोबाइल वैन चलत
अम्बाला, नासिक और अमेठी समेत आधा दर्जन जगह पर पेयजल बोतल प्लांट लगाएल जाएत।
हर साल 1000 किमी रेल लाइन केर निर्माण।
भरती में स्थानीय लोक कें प्राथमिकता।
50 हजार सं कम आमदनी बला कें फीस माफ
रेलवे भरती की परीक्षा स्थानीय भाषा में हएत आ देशभरि मे परीक्षा एकहि दिन हएत।
यात्रीलोकनि कें सस्ता खाना लेल जनता आहार
94 स्टेशन स्तरोन्नत।
पानिक बोतल 7 सं 10 रुपय्या में
93 स्टेशन पर मल्टीलेवल पार्किंग
एसएमएस के माध्यम सं टिकट बुकिंग करा सकब
पांच साल में पूर देश रेल लाइन सं जुड़त
पंचायत में रेलवे टिकट काउंटर बनत
अस्पताल, विवि में ई-टिकटिंग मोबाइल वैन केर बंदोबस्त
दिल्ली, हैदराबाद, चेन्नई, कोलकाता आ सिकंदराबाद में रेल अकादमी खुजत
आरपीएफ में पूर्व सैनिकलोकनिक बहाली हएत
महिला सुरक्षा केर जिम्मा महिला वाहिनी कें
सभ रेलकर्मी कें अगिला 10 वर्ष में आवास
रेल भर्ती में स्पोर्ट्स कोटा बढत
खड़गपुर में लोको पायलटन टेनिंग सेंटर खुजत
रायबरेली कोच फ़ैक्टी एक साल में चालू हएत
कटक, जबलपुर, कूच बिहार, माल्दा में मल्टी ट्रेनिंग सेंटर शुरू हएत
बेंगलुरु में डिजाइन डेवलपमेंट सेंटर खुजत
मालगाड़ी लेल अलग सं कॉरिडोर
भूमि केर अधिग्रहण जबरदस्ती नहि कएल जाएत आ स्वेच्छा सं प्रदत्त अधिग्रहित भूमि के बदला मे नौकरी भेटत
बांग्लादेश सं रेल सम्पर्क स्थापित हएत
पूरा बजट भाषण हिंदी मे एतय उपलब्ध अछि।

बिपाशा बिहारी टोन मे

बिपाशा बसु बिहार में ऑनर किलिंग पर केंद्रित प्रियदर्शन केर अगिला फिल्म लेल फेर प्रयोग करबा लेल तैयार छथि। एहि लेल ओ बिहारी भाषा सीख रहल छथि ताकि रोल हुनका पर छजनि।
बिपाशा कें कहब छन्हि, ‘मेरे द्वारा निभाए गए अब तक के किरदारों के लिहाज से यह एक बड़ा बदलाव होगा। मैं सूती साड़ियों में बगैर किसी मेकअप के परदे पर नजर आऊंगी। इसके लिए मैंने बिहारी भाषा सीखनी शुरू कर दी है, ताकि अपने संवाद में स्थानीय पुट ला सकूं।’

3जी स्पेक्ट्रम नीलामी 9 अप्रैल सं


देश में तेसर पीढी कें दूरसंचार सेवा थ्री-जी स्पेक्ट्रम केर आगामी नौ अप्रैल सं नीलामी हएत। दूरसंचार मंत्रालय केर आइ जारी बयान में कहल गेल अछि जे निजी कंपनी सभ थ्री-जी स्पेक्ट्रम हासिल करबा लेल काल्हि सं आवेदन क सकत। आवेदन 19 मार्च तक स्वीकार कएल जएतैक। थ्री जी स्पेक्ट्रम केर नीलामी शुरू हएत नौ अप्रैल सं । दू दिन बाद 11 अप्रैल सं ब्राडबैंड वायरलेस एक्सेस आर डी डब्ल्यू नीलामी केर शुरूआत हएत।

थ्री जी तकनीक मोबाइल केर दुनिया कें एकदम बदलि कए राखि देलक अछि। एहि तकनीक कें कारणें फोन पर हाई स्पीड इंटरनेट एक्सेस, डाटा वीडियो आर सीडी क्वालिटी केर म्यूजिक सर्विस के साथ न्यूज चैनल सेहो देखि सकैत छी। थ्री-जी फोन सभसं पहिने 2001 में जापान में लांच कएल गेल छल। थ्री-जी फोन पर व्यक्ति केर चेहरा अपन मोबाइल केर स्क्रीन पर देख सकैत छी आ जं बात कएनिहारो लग थ्री-जी फोन हुअए,तं एक-दोसर कें देखैत गप्प क सकब।

नीलामी संबंधी पूरा प्रक्रिया देखबा लेल क्लिक करू।