अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 22, 2010

संगीत जलसा मे रीता दास

पटना केर प्रोफेसर कालोनी, कंकड़बाग स्थित आसावरी हाल मे,रविकए आयोजित शास्त्रीय संगीत जलसा राग-भाव सं सराबोर रहल। दिल्ली सं आएल प्रसिद्ध किराना घराना केर स्वर्ण विज अपन ख्याल गायन केर प्रस्तुति सं से संगीत प्रेमीलोकनि कें अभिभूत क देलनि। संगीत संकल्प, नई दिल्ली केर पटना शाखा दिसि सं सेहो राजधानी केर कतेको प्रसिद्ध हस्ती सभ उपस्थित छलाह। कार्यक्रमक प्रारंभ मैहर सेनिया घराना केर कलाकार रीता दासक सरोद वादन सं भेल। शुरुआत कएलनि सांझ मे गाएल जाए वला रागेश्वरी राग सं। तकर बाद पीलू रागक प्रस्तुति कएलनि जे होली पर गाओल जाइत छैक। रीता जी कहलनि जे रागक पहचान राग भाव सं बनैत छैक। रागभावक कारणें स्वर, रागक अधीन भ जाइत छैक। हुनकर संग तबला पर छलाह फर्रूखाबाद घराना केर राजशेखर। एहि अवसर पर बिहारक प्रसिद्ध गायिका आ संगीत शिक्षिका डा. रेखा दास बनारस घराना केर गायिका स्वर्ण विज केर परिचय देलनि। स्वर्ण विज आकाशवाणी, नई दिल्ली कें ग्रेडेड कलाकार छथि। पिता प्रो. सीएल दास के सान्निध्य में सरोद वादन केर प्रारंभिक शिक्षा लेनिहारि रीता दास सेहो आकाशवाणी, दिल्ली केर ए ग्रेड कलाकार छथि। उस्ताद बहादुर खां आर पंडित सुनील मुखर्जी सं सरोद वादन सिखलाक पछाति ओ आशीष खां सं शिक्षा ल रहल छथि। समारोह में प्रो. सीएल दास, पद्मश्री गजेन्द्र नारायण सिंह, जनकराज आनंद, सावित्री देवी, रमा दास, डा. गुंजन प्रसाद कुचगवे, रंजना पाठक, प्रियंका आर डी.के. दास समेत कतेको गणमान्य लोक सभ मौजूद छलाह।
(आजुक दैनिक जागरण,पटना संस्करण मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)