अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, February 20, 2010

बाइबिल संस्कृत मे

बाइबल सोसायटी ऑफ इंडिया काल्हि सं कोलकाता मे शुरु भ रहल अपन शताब्दी समारोह मे बाइबल कें संस्कृत संस्करण प्रकाशित करत । बीएसआई के महासचिव बी के परमाणिक कें अनुसार, संस्कृत बाइबल कें नवीनीकरण कएल जा चुकल छैक आ अनुवादो केर काज जल्दीए शुरु भ जेतैक । ज्ञातव्य जे एहि सोसायटी केर गठन ब्रिटिश आर फॉरेन बाइबल सोसायटी के सहयोग सं कएल गेल छैक। ई सोसायटी एखन धरि बाइबल कें 203 भारतीय भाषा में प्रकाशन क चुकल अछि। सोसायटी के विचार एकरा भारतक 102 आओर भाषा में अनुवाद करएबाक छैक ।