अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 22, 2010

भागलपुर मे विद्यापति स्मृति पर्व

रविकए भागलपुरक नवयुग विद्यालय में मिथिला परिषद आर मिथिला विकास मंचक तत्वावधान में आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे मुख्य अतिथि आर झारखंड उच्च न्यायालयक मुख्य न्यायाधीश ज्ञान सुधा मिश्रा कहलनि जे भाषाई संस्कृति केर विकास आवश्यक छैक मुदा कोनो एक भाषा कें विकास सं समाज आर देशक प्रगति नहिं भ सकैछ। तें, रुढ़िवादी परंपरा छोड़ि सोच में विस्तार करब आवश्यक छैक।सुधा जी संस्था सभ सं अपील कएलनि जे राज ठाकरे वला संस्कृति नहि अपनाबथि। हुनक कहब छलनि जे मातृभाषाक संगहि राष्ट्रभाषा आर आन भाषा सभहक सम्मान सेहो हेबाक चाही।