अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, February 13, 2010

मारूति-800 कें बिक्री बंद हएत

सबसं भरोसेमंद आ लोकप्रिय कार मारुति-800 कें बिक्री बंद हेबए जा रहल अछि। देशकें सभसं पैघ कार निर्माता कंपनी मारुति सुजुकी इंडिया तय कएलक अछि जे 13 शहर में 1 अप्रैल सं एकर बिक्री बंद क देल जाएत। कारण ई छैक जे 1 अप्रैल सं बीएस-4 उत्सर्जन मानक लागू भ रहल छैक आ कंपनी मारूति-800 कें ओहि मानक अनुसार स्तरोन्नत नहिं करए चाहैत छैक। तें, दिल्ली, मुंबई, कलकत्ता, चेन्नै, बंगलोर, हैदराबाद, पुणे,कानपुर,अहमदाबाद,सूरत आ आगरा में एकर बिक्री बंद भ जाएत। पटना समेत आन शहर मे ई पूर्ववते भेटैत रहत। कंपनी ईहो कहलक अछि जे मारूति-800 केर कीमत पर कोनो आओर मॉडल नहिं आनल जाएत।