अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, February 16, 2010

पद्म सम्मान नहि लेताह शास्त्रीजी

राजेंद्र शिखर सम्मान,भारत-भारती सम्मान आ शिवपूजन सम्मान सं प्रतिष्ठित जानकी वल्लभ शास्त्रीजी पद्म पुरस्कार लेताह कि नहि,ताहि संबंध में पुरस्कारक घोषणा भेलाक बादे सं असमंजस केर स्थित बनल छल। एहि पुरस्कार कें ल कए ओ पहिनो उत्साहित नहि छलाह आ एतेक धरि कहने छलाह जे पुरस्कारस्वरूप जे राशि हुनका भेटतन्हि तकरा ओ अपन पशुधन सभहक सेवा लेल स्वीकार क लेताह। ओहि सं पूर्व ई खबरि आएल छल जे ओ पुरस्कार स्वीकार अथवा अस्वीकार करबा संबंधी निर्णय अपन शुभचिंतक लोकनि सं विचार-विमर्शक पछाति लेताह। हिंदुस्तान,पटना,15.2.10 मे छपल ख़बरि कहैछ जे आब ओ ई पुरस्कार नहि स्वीकार करबाक मोन बनएलनि अछि।