अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 22, 2010

रेलवे के साइबर कैफे बंद

देशभरिक पैघ रेलवे स्टेशन सभ पर खोलल गेल 24 साइबर कैफे आशानुरूप लाभकर नहि रहलाक कारणें, बन्द कएल जा रहल अछि। रेलवे कें प्रयास निर्माण परियोजना सभ में निजी क्षेत्र कें अनबाक छल मुदा एहि निर्णय कें ओहि दिसा में झटका मानल जा सकैछ। रेलवे 2006 में, रेलवे परिसर में फ्रेंचाइजी मॉडल पर 82 साइबर कैफे बनएबाक निर्णय कएने छल। रेलवे के साइबर कैफे मे सर्फिंग दर प्रायः 30 रूपय्या प्रतिघंटा रहैक जे बजार दर सं बहुत बेसी छल। संभव अछि इएह कारण रहल हुअए लोकसभ कें ओहि दिस आकर्षित नहि होएबाक।