अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 22, 2010

मनी ट्रांसफर महग भेल

आब आनलाइन पैसा भेजबाक लेल बेसी पाइ लागत। बैंक सभ कें एक अप्रैल सं एहि सेवा लेल रिजर्व बैंक कें शुल्क भुगतान करए पड़तैक,तें बैंक भरपाई लेल ग्राहक सं पाइ वसूलबाक तैयारी मे अछि। एखन धरि बैंक एहि लेल रिजर्व बैंक कें किछु नहि दैत छल। वर्तमान व्यवस्थाक अनुसार,एक लाख रुपय्या तक दोसर कें खाता में अंतरित करबाक लेल ५ रुपय्या, एक लाख रुपये से बेसी केर निकासी पर २५ रुपय्या बतौर शुल्क लेल जाइत छैक। राशि प्राप्त कएनिहार खाताधारक सं कोनहु शुल्क नहि लेल जाइत छैक। नेशनल इलेक्ट्रानिक फंड ट्रांसफर (एनईएफटी) २००५ में लांच भेलाक बाद सं बड्ड सफल रहल छैक। एकर मार्फत हर महीने ६० लाख सं बेसी मनी ट्रांसफर भ रहल छैक।

एनईएफटी सेवा उपलब्ध देनिहार सभ बैंक कें जारी सर्कुलर में, रिजर्व बैंक बैंक सभ सं उपलब्धता, सुविधा आर कार्यकुशलता के संबंध में, एनईएफटी कें मजबूत करबाक लेल आवश्यक उपाय करबाक हेतु कहलक अछि।रिजर्व बैंक बैंक सभ सं कहलक अछि कि सामान्य काम-काज सोम सं शुक्र धरि भोरे ९ बजे सं सांझ ७ बजे तक आ शनिकए भोरे ९ बजे सं दुपहर १ बजे तक कएल जाए। एखन ई समय आन दिन ९ बजे सं ५ बजे तक आ शनिकए भोरे ९ बजे सं दुपहर १२ बजे तक छैक।