अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, February 13, 2010

अखबार कें कंप्यूटर पर संरक्षित करबा लेल दिल्ली में सम्मेलन 25 सं

आजुक दैनिक भास्कर,दिल्ली संस्करण में प्रकाशित खबरि के मोताबिक,आधुनिक डिजिटल तकनीकक माध्यम सं समाचार आ विचार कें संरक्षित करबा लेल आर ओकरा पाठक सभहक लेल सुलभ बनएबाक वास्ते दिल्ली में 25 सं 28 फरवरी तक अंतरराष्ट्रीय समाचारपत्र संगोष्ठी केर आयोजन कएल गेल छैक। इंदिरा गांधी नेशनल सेंटर फॉर द आर्ट्स(आईजीएनसीए)व आईएफएलए द्वारा संयुक्त रूप सं आयोजित एहि सम्मेलन में भारत समेत विभिन्न देशक प्रतिनिधि भाग लेताह। चार दिवसीय एहि सम्मेलन में विदेशी प्रतिभागीलोकनि शोध पत्र प्रस्तुत करताह जाहि सं बाकी प्रतिभागी सभ कें समाचारपत्रक संरक्षण केर नव तकनीकक जानकारी भेटतन्हि। ई भारत में एहि प्रकारक पहिल सम्मेलन हएत।