अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 22, 2010

भोजपुरी कें संवैधानिक मान्यता लेल पटना आ दिल्ली मे बैठक

पटना केर कालिदास रंगालय में काल्हि आयोजित 17म भोजपुरी महोत्सव मे, भोजपुरी भाषा कें मान-सम्मान दिअएबाक संकल्प लेल गेल। महोत्सव कें उद्घाटन करैत सिवान केर सांसद ओमप्रकाश यादव कहलनि कि भोजपुरी भाषा में पर्याप्त मिठास छैक आ भोजपुरी कें संवैधानिक दर्जा दिअएबा लेल संघर्ष जारी रहत। सम्मेलन कें आयोजन भोजपुरिया उत्थान आर भोजपुरिया सेवा मिलिकए कएने छल। एहि अवसर पर बिहार राज्य विद्युत बोर्ड कें पूर्व अध्यक्ष मदन मोहन सिंह कहलनि जे भाषा आर संस्कृति कें मिलाकए भारतीयता बनल अछि आ इहो जे भोजपुरी मे कर्पूरी ठाकुर सन कलाकार भेल छथि। भोजपुरी फिल्मक अश्लीलता में कमी आनि कए अपन एक पहचान बनाएब जरूरी छैक। सम्मेलन मे बलभद्र कल्याण, प्रभात कुमार सिंह, हिन्दी साहित्य सम्मेलन के अध्यक्ष जगदीश पाण्डेय, हरिद्वार प्रसाद, राजेन्द्र तिवारी, केशव ठाकुर आ हीरा ठाकुर आदि शामिल छलाह।
एम्हर दिल्ली मे,काल्हिए एयरपोर्ट ऑथिरिटी ऑफ इंडिया के आफिसर्स क्लब में भेल बैठक मे,भोजपुरी समाज के अध्यक्ष अजीत दूबे कें कहलन्हि जे भोजपुरी भाषा व संस्कृति कें विकासक लेल देश-विदेश में सक्रिय विभिन्न संस्था सभ कें एक मंच पर आबिकए प्रयास करब जरूरी छैक। श्री दूबे जी कहलनि जे सभ कें एक छत के नीचा आबए पड़तनि आ केन्द्रीय कार्यालय दिल्ली में बनाओल जाएत। ओ इहो कहलनि जे भोजपुरी कें अष्टम सूची में शामिल कराएब, भोजुपरी स्वाभिमान केर रक्षा करब आ दिल्ली के स्कूल में भोजपुरी पाठ्यक्रम कें लागू कराएब हुनकर सभहक मुख्य एजेंडा हेतन्हि। एहि बैठक में श्री दूबे आ मॉरिशस भोजुपरी संस्थान केर संस्थापक डा. सरिता बुद्धू युवा कवि मनोज भावुक के गजल संग्रह "तस्वीर जिंदगी के" केर द्वितीय संस्करण कें संयुक्त रूप सं लोकार्पण कएलनि। होली सं संबंधित भोजुपरी गीत-नाद सेहो भेल। बैठक में त्रिनिडाड केर रिसर्च स्कॉलर पेंगी मोहन( मुख्य अतिथि रूप मे), अखिल विश्व भोजपुरी विकास मंच-जमशेदपुर के अध्यक्ष बी.एन तिवारी उर्फ भाईजी भोजुपरिया, इग्नू में भोजुपरी के प्रणेता प्रो. शत्रुघ्न कुमार, नाटककार महेन्द्र प्रसाद सिंह, भोजपुरी समाज दिल्ली के उपाध्यक्ष प्रभूनाथ पांडेय, पूर्वांचल एकता मंच के अध्यक्ष शिवजी सिंह, एल.एस. प्रसाद सहित कतेको गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह।