अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 08, 2010

साइंस में ट्विस्ट आइ सं

देशभरिक स्कूल में विज्ञानक प्रतिएं रूचि बढ़एबाक लेल विज्ञान-प्रौद्योगिकी मंत्रालय आ नेशनल ज्योग्राफी चैनल के बीच साझेदारी भेल अछि। साझेदारी केर अनुसार,विज्ञान आधारित कार्यक्रमक एक श्रृंखला ७ भाषा में दूरदर्शन पर प्रसारित कएल जाएत। दस कड़ी वला ई श्रृंखला सोमवार आई सं नेट जियो जूनियर पर प्रसारित हएत। "साइंस में ट्विस्ट" नामक एहि श्रृंखला केर घोषणा विज्ञान-प्रौद्योगिकी मंत्री पृथ्वीराज चव्हाण एक कार्यक्रम के दौरान कएलनि। संगहि, नेशनल ज्योग्राफी चैनल पर "कटिंग कार्बन" नाम सं एक डॅाक्यूमेंटरी फिल्म सेहो प्रसारित हएत। श्री चव्हाण के कहब छन्हि जे भारत सन विकासोन्मुख देश में वृद्धि आ विकासक लेल विज्ञान एक अहम हथियार छैक। कार्यक्रम से जुड़े प्रोमोज अगिला ६ माह तक नेशनल ज्योग्राफी आ फॅाक्स हिस्ट्री चैनल पर देखि सकैत छी। कार्यक्रम कें डीवीडी सेहो भारत के १००० सं बेसी प्रमुख विद्यालय में वितरित कएल जाएत।