अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, February 28, 2010

ससुराल गेंदा फूल

सासु-पुतहु कथा एक्सपर्ट स्टार टीवी काल्हि सं "ससुराल गेंदा फूल" नामक नव धारावाहिक प्रारंभ करए जा रहल अछि। ई मनोरंजक आ हास्य धारावाहिक छैक अमीर बापक बेटी सुहाना कें जे पिता कें कहला पर ईशान सं विवाह क लैत छैक मुदा मध्यवर्गीय,परंपरावादी सासुर मे स्वयं कें असहज महसूस करैत छैक।

सुहाना के रोल मे छथि रागिनी खन्ना आ ईशान कें भूमिका मे जय सोनी। ईशान एक सॉफ्टवेयर इंजीनियर छैक, जे अपन परिवारक आन सदस्यक विपरीत, अपन भावना कें ठीक तरहें व्यक्त नहि क पबैत छैक। ओकर कथा कत्तहु ठीक नहि भ पबैत छैक किएक तं अमोल पालेकर टाइप सादगी कें कारणे कोनो लड़की ओकरा पसंद नहि करैत छैक। परञ्च,सुहाना ओकरा पसंद क लैत अछि आ विवाहो भ जाइत छैक।

"ससुराल गेंदा फूल" में सहायक भूमिका में ईशान कें दादाजी के रोल में छथि सुधीर पांडे आ वहीं दादीजी कें रोल मे अनीता कंवल। ईशान कें बड़की माए शैलजा कें भूमिका में छथि सुप्रिया पिलगांवकर जे एक एहन महिला कें रोल क रहल छथि जनिका पति छोड़िकए अमरिका मे बसि गेल छैक आ ओही ठाम दोसर बियाहो क लैत छैक। घरक सभसं पैघ पुतहु केर रूप मे सभ हुनकर इज्जत करैत छन्हि आ घर मे हुनके अनुशासन चलैत छन्हि। सुहाना कें पिता के रोल महेश ठाकुर क रहल छथि। अन्य प्रमुख भूमिका में सूरज थापर, श्रुति उल्फत आ सादिया सिद्दीकी आदि कें देखब।

एहि धारावाहिक के माध्यम सं स्टार प्लस वास्तविक जीवन केर एहन घटना सभ कें देखाबए चाहैत अछि जाहि सं दर्शक कें अपनत्व भाव पैदा हुअए।