अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 22, 2010

सुपर-30 पर जापानक शोध

सुपर थर्टी कें आनन्द कुमार पर कहानी लिखबा लेल जापानक पत्रकार युजूरू तांको पटना आएल छथि। ओ कहलनि जे तकनीकी क्षेत्र में भारत कें आओर आगू ल जएबा लेल शिक्षकलोकनि कें बेसी योगदान करए पड़तन्हि आ एहि काज मे आनन्द कें सेहो सहयोग देबाक चाही। तांको कें कहब रहनि जे जापान में आनन्द कें चर्चा होइत छैक आ जापानी छात्रलोकनि हुनका देया चर्चा करैत छथि। श्री तांको गणितज्ञ आनन्द आर संस्था देया,जापान जा कए विस्तृत रिपोर्ट प्रकाशित करताह। ज्ञातव्य जे जापान कें अर्थशास्त्री यूची आइतोह आनन्द पर एक फिल्म सेहो बनेने छलाह। जापान मे आनन्द पर लेखो लिखल गेल छैक।