अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, February 04, 2010

नोबेल शांति पुरस्कार इंटरनेट के देबाक अनुशंसा

दुनिया में नव क्रांतिक सूत्रधार इंटरनेट कें वर्ष 2010 के नोबेल शांति पुरस्कार लेल नामांकित कएल गेल छैक। इंटरनेट केर प्रस्ताव लोकप्रिय पत्रिका वायर्ड रखलक। वार्ता, बहस आ आम सहमति कें संचार माध्यम सं बढ़ावा देबा में इंटरनेटक भूमिका के देखैत वायर्ड इटली इंटरनेट कें नोबेल शांति पुरस्कार लेल नामांकित करबाक प्रस्ताव रखलक। वायर्ड इटली इंटरनेट फॉर पीस नामक एक विशेष अभियान सेहो शुरू कएने अछि जे सितंबर 2010 तक चलत। एहि में, नेट देया कतेको जानकारी आ एहन लोकनिक अनुभव छैक जे इंटरनेट के मदद सं विश्व में शांति आ सद्भाव कें प्रचार-प्रसार लेल उल्लेखनीय कार्य सं संबंधित अछि। वायर्ड इटली के संपादक रिकार्डो लूना के कहब छनि जे इंटरनेट कें एक व्यापक समुदाय के तौर पर देखबाक चाही जाहिमें दुनिया भरिक धर्म सभहक पुरूष और महिलालोकनि वैचारिक आदान प्रदान क सकथि आ ज्ञान के प्रचार प्रसार में सहयोग द सकथि जाहि सं एक नव संस्कृतिक विस्तार हुअए। रिकार्डो के कहब छैक जे इंटरनेट कें सामूहिक निर्माणक पहिल साधन मानल जा सकैछ जे नफरत और टकराव कें खत्म करबा लेल आ शांति तथा लोकतंत्र के प्रचार-प्रसार लेल छैक।



















(हिंदुस्तान,पटना,4.2.10)