अपनेक स्वागत अछि।

Monday, February 01, 2010

आकाशवाणी दरभंगा सं आब सुनू मैथिली सुगम संगीत

काल्हि 2फरवरी सं आकाशवाणी दरभंगा मैथिली सुगम संगीत कें प्रसारण प्रारम्भ क रहल अछि। पहिल प्रसारण भोर मे सात बजि कए दस मिनट पर सुनि सकैत छी। सांझ मे प्रसारित भ रहल सिंगरहार कार्यक्रम मे सेहो एकरा सुनल जा सकैत अछि। नव कलाकारलोकनि कें सुनबाक अवसर सेहो भेटत। एहि लेल पिछला साल अगस्त मे स्वर परीक्षा केर आयोजन कएल गेल छल। ओहि परीक्षा में 66 सफल प्रतिभागीलोकनि पर एक नज़रिः-
मकृष्णानंद मिश्र , मनोज कुमार महतो , मिथिलेश कु. पासवान, आभा कुमारी, स्वर्णिम प्रभात चौधरी, शैलानी मिश्र, योगेन्द्र सिंह, ममता ठाकुर, सुष्मा कुमारी, शिप्रा कुमारी एवं सुष्मिता कुमारी, बमबम झा, चेतना कुमारी, मुकुल आनंद, वंदना कुमारी, बिट्टू साह, राधानंद ठाकुर, कुंजबिहारी मिश्र, शंभू कुमार, सुजीत कु. मिश्र, चंचल कुमारी, सतीशचंद्र झा, शिवानी, ब्रज बिहारी मिश्र, रानी सुमन व माला सिन्हा, पुरुषोत्तम कु. मल्लिक, महादेव ठाकुर, मिथिलेश कु. सिंह, राजीव कु. राय, गंगाराम झा, श्याम बिहारी राय, कुमकुम झा, चंद्रिका कुमारी, वंदना, लक्ष्मण राम, श्याम कामत, पारस पंकज झा, लालति कुमारी, चेतनानंद झा, रोशन कु. झा, विद्या विकास, धीरेन्द्र कु. मिश्र, विष्णु कु. वर्मा, सुरेन्द्र भारद्वाज, रणजीत कुमार, हेमकांत झा, अमन मिश्र, मो. फखरुल होदा नाज, कल्याणी कुमारी, जानकी ठाकुर, सज्जन कु. चौधरी, वेदप्रकाश, मधु कुमारी, प्रवीण कु. झा, शारदा कुमारी, रामबहादुर कामत, कपिल कु. शर्मा, नवीनचंद्र दास, राजीव रंजन झा, सोहन कु. ठाकुर, रामसागर यादव, रंजय कु. यादव, दीपक कु. झा, केदारनाथ कुमर, विजय कु. ईश्वर, मनोज कुमार आ अशोक कुमार। संभावना छैक जे एहि साल मार्च मे फेर स्वर-परीक्षा लेल जा सकैछ। एकरा मैथिली कलाकार लोकनि कें प्रोत्साहन देबाक दिशा में महत्वपूर्ण प्रयास मानल जा रहल छैक। प्रारंभ में एकर प्रसारण दू दिन हएत। प्रयास कएल जा रहल छैक जे नीक –नीक गीतकार सभहक रचना कें संगीतबद्ध कराओल जाए। इहो समाचार अछि जे एक साल में एक गीतकार सं पांचहि टा गीत लेल जाएत। प्रत्येक गीतकार कें प्रति गीत सवा छह सए रुपय्या देल जएतनि,सेहो सूचना अछि।
मिथिला न्यूज डॉट कॉम केर एक रिपोर्ट सं बुझना जाइछ जे दरभंगा रेडियो स्टेशन सं नमस्कार मिथिला नामक फोन-इन कार्यक्रम सेहो प्रसारित हेबाक संभावना छैक। एखन सुप्रभात दरभंगा नाम सं फोन इन कार्यक्रम दू दिन चलैत छैक।