अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, February 02, 2010

कायस्थक लड़की,ब्राह्मणक लड़का पर सुनवाई 5 तारीख़ कए

सोम सं शुक्र धरि कलर्स टीवी चैनल पर राति नौ बजे प्रसारित धारावाहिक 'ये प्यार न होगा कम' कें टैग लाइन छैक- "ब्राह्मण का बेटा कायस्थ की लड़की, कुछ तो गड़बड़ है।" एहि धारावाहिक कें प्रसारण पर रोक लगएबाक मांग ल कए दायर जनहित याचिका पर इलाहाबाद हाईकोर्ट कें लखनऊ बेंच 5 फरवरी कए सुनवाई करत। न्यायमूर्ति प्रदीपकांत आ न्यायमूर्ति रितुराज अवस्थी कें खंडपीठ ई आदेश अखिल भारतीय चित्रांश महासभा के याचिका पर देलक। महासभा के कहब छैक जे एहि सीरियल सं कायस्थ समाजक भावना आहत भ रहल छैक। महासभाक आग्रह छैक जे जाधरि एहिमें से कायस्थ समुदाय कें आहत करएवला सीन आ डायलॉग नहिं हटा देल जाए,ताधरि एकर प्रसारण रोकि देल जाए। महासभा कें तर्क रहैक जे एहि सीरियल में कायस्थ शब्दक प्रयोग मजाकिया लहजा में कएल गेल छैक जे जातिविभाजित समाज कें और अधिक बंटबाक काज क रहल अछि।

लखनऊ केर पृष्ठभूमि पर आधारित एहि धारावाहिक मे एक कायस्थ लड़की आ ब्राह्मण लड़का कें प्रेम कहानी अछि। लहर कें लीड रोल में छथि चंडीगढ़ कें यामी गौतम जे असल ज़िंदगी में ब्राह्मण छथि। नायक छथि गौरव खन्ना।