अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, June 01, 2010

मान रहे तेरा.....................पिता

सोनी एंटरटेनमेंट टेलीविजन पर आइ सं मान रहे तेरा...........पिता धारावाहिक क रहल अछि। छत्तीसगढ़ के ब्रह्मपुर कोयला खान के पृष्ठभूमि पर आधारित एहि धारावाहिक में अनमोल नामक युवती के कहानी छैक जे अपन बाबूजी दुर्गाप्रसाद के संरक्षण दैत छैक आ हुनकर प्रतिष्ठा बहाल करैत छैक। दुर्गाप्रसाद के जीवन मे एक्कहि टा सेहंता छन्हि जे कोयला खदान मे काम बन्द हुअए ताकि ब्रह्मपुर के विनाश सं बचाओल जा सकए।
धारावाहिक मे,अनमोल के माए के,कोयला खान दुर्घटना मे स्वर्गवास भ जाइत छैक। अनमोल कें अपन बाबूजी के संरक्षण देबाक लेल लगातार संघर्ष करए पड़ैत छैक किएक तं शहर के लोक सभ हुनका पागल बुझए लागल छन्हि। लोक सभ दुर्गाप्रसाद के चेतावनी पर ध्यान नहि दैत छैक।
अनमोल के चच्चा कालीप्रसाद विधायक छथि। ओ बड्ड लोकप्रिय आ प्रभावशाली व्यक्ति छथि आ अनमोल कें अपन बेटी जकां मानैत छथिन्ह,यद्यपि आन गोटे सभ अनमोल कें उपेक्षित भाव सं देखैत छथि।
धारावाहिक कें प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं ब्रैस्पति तक राति आठ बजे सं हएत।