अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 31, 2010

बात हमारी पक्की है

सोनी टीवी पर आई सं नव धारावाहिक बात हमारी पक्की है शुरु भ रहल अछि। एहि धारावाहिक में राजस्थान के माउंट आबू मे रहि रहल साची के कहानी छैक जे अनाथ छल आ जकर पालन-पोषण ओकर मामा-मामी करैत छैक। ओकर विवाह कतेको जगह ठीक भ जएबाक विश्वास होइत छैक मुदा कोनहु ने कोनहु कारणे विवाह नहि भ पबैत छैक। तें, सांची के विवाह ओकर मामी के लेल एकसूत्री कार्यक्रम भ जाइत छैक। जत्तेक बेर वरपक्षक लोक देखए लेल अबैत छथि,सांची के सजाओल गुड़िया जकां देखाओल जाइत छैक आ बात नहि बनला पर सांचिए पर दोषारोपण कएल जाइत छैक। वरपक्ष सं बेर-बेर नकारात्मक उत्तर पाबि सांची बेइज्जत महसूस करए लगैत अछि परञ्च एक दिन आभूषण व्यापारी के पुत्र श्रवण सं ओकर भेंट होइत छैक। श्रवण दिग्भ्रमित आ गैर-ज़िम्मेदार टाइप आदमी छैक। ओकर परिवार के विश्वास छैक जे विवाहक बादे श्रवण ठीक रस्ता पर आओत। दुनू के विवाह तय भ जाइत छैक। जल्दिए सांची के पता चलि जाइत छैक जे श्रवण तं वास्तव मे आओर ककरो सं प्रेम करैत छथि। दरअसल श्रवण अपन भाउज के प्रति आसक्त रहैत छैक। आखिरकार की होइत छैक सांची आ श्रवण के जीवन मे,इएह एहि सीरियल मे देखाओल गेल छैक। धारावाहिक के प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं ब्रैस्पति तक राति साढे आठ बजे सं हएत।