अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, May 11, 2010

सौ दिन मे तैयार हएत धान

डालटनगंज मे जाका स्थित क्षेत्रीय कृषि अनुसंधान केंद्र के वैज्ञानिक अखिलेश साह सौ दिन में तैयार होएवला संकर धानक प्रजाति पीएसी-807 विकसित कएने छथि। हुनका एहि प्रयास मे सफलता एक बरखक परीक्षण के उपरांत भेटल छन्हि। एहि धानक उपज क्षमता 55 क्विंटल प्रति हेक्टेयर छैक। एकर अतिरिक्त,दू टा आओर प्रजाति 27-पी आ उदय-111 चयनित कएल गेल छैक। एकर अवधि 120 सं 125 दिन तथा उपज क्षमता 83 सं 85 क्विंटल प्रति हेक्टेयर छैक। एहि प्रजाति के धान बीजक उपलब्धता मे एखन दू बरख आओर लगबाक संभावना छैक किएक तं बिरसा कृषि विश्वविद्यालय सं अनुशंसा पएबाक लेल तीन बरख कें फसल उपज डाटा देमय पड़ैत छैक। खासकए पलामू के लेल विश्वविद्यालय संकर धानक पीए-6444 प्रजाति के खेती करबाक संस्तुति कएने अछि। पलामू के दोन आ सोत जमीन वला खेत मे खरीफ मौसम मे धान के अलावा कोनहु खेती नहि भ सकैत छैक। पारंपरिक तरीका सं किसान बेसी दिन में तैयार भेनिहार धानक फसिल कें खेती करैत छथि। पर्याप्त पानि नहि भेटलाक कारणे,उपजा कम होइत छैक। तें, जेडआरएस आईआर-64 ललाट, नवीन व सहभागी प्रजाति के धानक खेती कें सिफारिश कएने अछि।
(दैनिक जागरण,रांची,10.5.2010 मे प्रकाशित खबरि पर आधारित)