अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, May 11, 2010

सुदर्शन पटनायक कें राजकपूरक चित्र पर स्वर्णपदक

मास्को मे आयोजित द्वितीय अंतर्राष्ट्रीय सैंड स्कल्पचर चैम्पियनशिप मे,उड़ीसा के सुदर्शन पटनायक स्वर्णपदक जीतलनि। हुनका पीपुल्स च्वाइस प्राइज के तहत पुरस्कृत कएल गेलनि। पटनायक कें ई पुरस्कार भेटल छन्हि अभिनेता राजकपूरक स्कल्पचर बनएबाक लेल। बालू सं निर्मित हुनकर एहि स्कल्पचर के नाम छल-“RAJ KAPOOR, THE ICON OF INDO-RUSIAN FRIENDSHIP”. रुसी लोकनि कें ई कलाकृति बड्ड नीक लगलनि। ई प्रतियोगिता 28 अप्रील कए शुरू भेल छल आ एहि मे अमरीका,रूस,इंग्लैंड,इटली,आइसलैंड,चेक गणराज्य,बुल्गारिया,उक्रेन,स्पेन के कलाकारलोकनि भाग लेने छलाह। एहि चैम्पियनशिप कें विषय रहैक-विश्व सिनेमा। सुदर्शन जी कें ई पुरस्कार बुधकए मास्को मे देल गेलनि।