अपनेक स्वागत अछि।

Tuesday, May 18, 2010

एकजुटता सं बदलत कायस्थ समाजक तस्वीर

देश भरि मे दस करोड़ के संख्याबल आ बुद्धिजीवी वर्ग में अलग पहचान रहितो, कायस्थ समाज राजनीतिक उपेक्षा के दंश झेल रहल अछि। एकर सभ सं पैघ कारण छैक- समाज में एकजुटता के अभाव। समाज में जं एकजुटता भ जाए,तखने ई परिदृश्य बदैल सकैत अछि। ई विचार उत्तरप्रदेश में कायस्थ चेतना रथ यात्रा के प्रांतीय सम्मेलन में बतौर मुख्य अतिथि मथुरा के विधायक प्रदीप माथुर व्यक्त कएलनि। अखिल भारतीय कायस्थ महासभा द्वारा रविकए कानपुर रोड स्थित सीएमएस प्रेक्षागृह में सम्मेलन आयोजित कएल गेल छल। महासभा के प्रदेश अध्यक्ष ए.के. श्रीवास्तव के नेतृत्व में भेल स्वागत समारोह मे, अपर महान्यायवादी डा.अशोक निगम, विधायक सुरेश कुमार श्रीवास्तव, महासभा के प्रदेश महामंत्री डा. रमेश चंद्र श्रीवास्तव सहित कायस्थ समाज के सैकड़ो लोक शामिल छलाह। डा. रमेश चंद्र श्रीवास्तव कहलनि जे 18 अप्रैल कए सिद्धार्थनगर सं चलल यात्रा करीब 49 जिला सं होइत शनिकए लखनऊ पहुंचल। यात्रा के दौरान कायस्थ समाज मे राजनैतिक चेतना जागृत करबाक लेल, आर्थिक आधार पर आरक्षण के वास्ते जन जागरण करबा पर, कन्या भ्रूण हत्या रोकबा पर, दहेज रहित विवाहक लेल लोक कें जागृत करबा पर आर युवकलोकनि कें स्वरोजगार हेतु प्रेरित करबा पर ज़ोर देल गेलैक आ कतेको सामाजिक सरोकार देया जागरुक बनएबाक लेल प्रचार-प्रसार कएल गेल। सम्मेलन में कायस्थ समाज की वेबसाइट देया सेहो विस्तार सं बताओल गेल।