अपनेक स्वागत अछि।

Friday, May 14, 2010

कंप्यूटर पर वायस मैसेज टेक्सट फॉर्मेट मे

आब ई-मेल के वायस मैसेज कंप्यूटर पर टेक्स्ट फारमेट के रूप में देखब संभव हएत। माइक्रोसाफ्ट के नबका आफिस-2010 मे ई सुविधा देल गेल अछि। कंप्यूटर पेशेवरलोकनिक लेल ई साफ्टवेयर बहुत उपयोगी मानल जा रहल छैक। काल्हिए,माइक्रोसॉफ्ट शेयर प्वाइंट 2010, विशियो 2010 आर प्रोजेक्ट 2010 लांच करबाक घोषणा सेहो कएलक। माइक्रोसाफ्ट कें ई नव साफ्टवेयर जल्दिए बिजनेस मोबाइल फोन पर सेहो उपलब्ध हएत। कंपनी कें कहब छैक जे विंडोज 6.5 मोबाइल फोन मे आफिस-2010 के मोबाइल वर्जन रहतैक। ज्ञातव्य जे माइक्रोसाफ्ट आब स्मार्टफोन केर टेक्नोलाजी पर जोर द रहल अछि। एहि लेल माइक्रोसॉफ्ट नोकिया के साथ काज शुरू क देने अछि। आब नोकिया ई-सीरीज के जे स्मार्टफोन जारी हएत, से माइक्रोसाफ्ट के नबका साफ्टवेयर सं लैस रहत। माइक्रोसाफ्ट इंडिया के चेयरमैन रवि वेंकटेश काल्हि कहलन्हि जे नबका साफ्टवेयर मे क्लाउड सेहो रहतैक। एहि नव साफ्टवेयर के सहायता सं कत्तहु आ कोनहु समय अपन दस्तावेज देख सकब। एखन देश में करीब दू हजार व्यावसायी आफिस-2010 के उपयोग क रहल छथि। एहि साफ्टवेयर में पावर प्वाइंट त अछिए, फोटो संपादन कें सुविधा सेहो अछि।