अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 17, 2010

मन्नार एशिया के दोसर सभ सं लोकप्रिय पर्यटन स्थल

जं गर्मी के छुट्टी मे कतहु जएबाक मोन बना रहल छी तं केरल जा सकैत छी। ट्रिप एडवाइजर्स-2010 ट्रेवलर्स चॉइस डेस्टिनेशन अवार्ड में केरल के मन्नार कें, एशिया के सभसं लोकप्रिय पर्यटन स्थल मे दोसर स्थान भेटल छैक। पहिल स्थान भेटल छैक जापान के राजधानी टोक्यो के। सूची में शामिल आन भारतीय स्थल मे, अंडमान-निकोबार द्वीप समूह छठम, मनाली सातम, हंपी आठम, गोवा नवम, उदयपुर बारहम, गंगटोक 19म, बेंगलूर बीसम आर धर्मशाला 22म स्थान पर रहल। मन्नार कें एशिया के दोसर सबसं लोकप्रिय पर्यटन स्थल घोषित हएब एहि बातक संकेत छैक कि मन्नार के चाय बागान आ घाटी सभहक प्रतिएं पर्यटक सभ मे खूब आकर्षण छैक। पच्चीस पर्यटन स्थल केर एशियाई सूची मे, कंबोडिया के सिएम रीप तेसर, जापान के क्योटो चारिम आर जापान के नाहा पांचम स्थान पर रहल।
(चित्र विवरणः ऐतिहासिक मन्नार ब्रिज जे एलटीटीई द्वारा नष्ट क देल गेल छल)