अपनेक स्वागत अछि।

Saturday, May 01, 2010

स्टार प्लस पर ज़रा नच के दिखा शुरू

स्टार प्लस पर आइ सं ज़रा नच के दिखा शुरू भ रहल अछि। एहि मे मसक्कली गर्ल्स आ मस्त कलंदर ब्वॉयज के जोश आ जुनून के मुकाबला देख सकब। कार्यक्रम मे,तीन राउंड राखल गेल छैक। आइ पहिल एपिसोड मे,खल्लास राउंड मे अभिषेक अवस्थी आ संजीदा के जुगलबंदी देखब। एहि राउँड मे एक दोसर के पछाड़ब उद्देश्य रहतैक। विवेल डिओ राउँड मे, दुनू ग्रुप के संयुक्त प्रस्तुति रहतैक। एहि राउंड मे आई आमिर आ रश्मि देसाई के परफार्मेंस हएत। तेसर राउँड अर्थात् ग्रुप एक्ट मे,लड़का आ लड़की के ग्रुप अपन ग्रुप के जितएबाक लेल परफॉर्म करत। पहिल राउंड मे सभसं चौंकबए वला परफार्मेंस ऊ हएत जखन अभिषेक अवस्थी के मोकाबला राखी सावंत सं हएत। कार्यक्रमक प्रसारण प्रत्येक शनि आ रवि कए राति नौ बजे सं हएत।