अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 03, 2010

ज्योतिषी कें चुनौतीः23 मे सं एकहुटा शर्त पूरा करू,लाखों रूपैया के इनाम जीतू

तर्कशील सोसायटी कें पंजाब जोन के जत्थेबंदक मुखी जरनैल क्रांति काल्हि मोहाली मे कहलनि कि ज्योतिष आ वास्तुशास्त्र पर पाबंदी लगा देबाक चाही। ओ आरोप लगओलन्हि कि केंद्र सरकार एहि दुनू चीज पर रोक नहि लगाबए चाहैत अछि। उल्लेखनीय अछि जे पछिले हफ़्ता,मुंबई हाईकोर्ट में ज्योतिषी आ वास्तु शास्त्र पर रोक लगएबाक मांग संबंधी एक जनहित याचिका कें कोर्ट ठुकरा देने अछि। क्रांति के तर्क छन्हि जे एहि केस में वैज्ञानिक आधार पर केंद्र सरकार कें अपन राय हाईकोर्ट के देबाक चाहै छल। परन्तु, केंद्रीय डिप्टी ड्रग कंट्रोलर डा. आरएम कृष्णा कहि देलनि जे ज्योतिषशास्त्र आ संबंधित विज्ञान चारि हजार वर्ष पुरान अछि,तें एहि पर रोक नहि लगाओल जा सकैछ। क्रांति कें कहब छन्हि जे जं ज्योतिष आ वास्तुशास्त्र विज्ञान अछि तं तर्कशीललोकनिक चैलेंज कें स्वीकार करबाक चाही। ओ कहलनि जे विज्ञान कें जनता के उपस्थिति में प्रयोग कए सिद्ध कएल जा सकैत अछि, परन्तु पंजाब में तर्कशील सोसायटी के पास आइ धरि कोनो ज्योतिषी अपन विज्ञान कें प्रयोग द्वारा सिद्ध नहि क सकल अछि। स्वयं कें ज्योतिषी कहनिहारलोकनि आम जनता के कचहरी में आबि कए तर्कशील सोसायटी के 23 शर्त मे सं कोनो एकहुटा पूरा क कए अथवा कोनो चमत्कार देखा कए लाखों रुपया ईनाम जीत सकैत अछि।