अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 17, 2010

मिस्टर एंड मिसेज शर्मा इलाहाबाद वाले


आइ सं सब टीवी पर मिस्टर एंड मिसेज शर्मा-इलाहाबाद वाले धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। ई धारावाहिक एक छोट शहर के,मध्यमवर्गीय परिवार के मुंबई अएलाक बाद रोज़मर्रा के जद्दोजहद पर आधारित छैक। परिवारक मुखिया दृष्टद्युम्न सर्वेश्वर शर्मा एक साधारण आदमी छैक जे अपन परिवार आ नौकरी सं संतुष्ट अछि। ओ मारिते तरहक विश्वास आ रीति-रेवाजक बोझ कन्हा पर लदने रहैत अछि। मुदा ओकर कनिया रश्मि शर्मा के मोन छैक जे पैघ शहर मे जाइ आ ओहि ठामक तड़क-भड़क मे रही। रश्मि के अपन घरवला पर पूरा विश्वास सेहो छैक। एहि बीच,सर्वेश्वर के ओकर कंपनी मुंबई जएबाक प्रस्ताव दैत छैक जकरा ओ सहर्ष स्वीकार क लैत छथि। ओकर बाद मुंबई मे एहि दम्पत्ति के जे चुनौती के सामना करए पड़ैत छैक,सएह थिक एहि धारावाहिक के कथ्य। एहि मे,धारावाहिक दुल्हन सं चर्चित भेल दिव्यांका मिसेज शर्मा के रोल मे छथि। मिस्टर शर्मा के रोल कएने छथि श्री राजेश। एहि धारावाहिक के निर्माण कएने छथि उज्जवल वैना जे ऐक्टर रहल छथि। एहि शो के माध्यम सं दिव्यांका के टेलीविजन पर वापसी भ रहल छन्हि। धारावाहिक के प्रसारण प्रति सप्ताह सोम सं ब्रैस्पति तक राति साढे नौ बजे सं हएत।