अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 31, 2010

"शोले" के कालिया के सरकारी मकान

महाराष्ट्र सरकार के हाउसिंग बोर्ड जाहि 15 लोकनि कें फ्लैट आवंटित कएने अछि ताहि मे 'शोले' के कालिया अर्थात् वीजू खोटे सेहो शामिल छथि। सत्तर के दशक के जबरदस्त हिट फिल्म 'शोले' में कालिया के किरदार अभिनेता वीजू खोटे कएने छलाह। ज्ञातव्य जे वीजू खोटे तीन सए सं बेसी फिल्मों आ टीवी सीरियल मे काज क चुकल छथि। ओ अभिनेत्री शोभा खोटे के जुड़वा भाए छथि। मुख्यमंत्री अशोक चौहान वीजू खोटे समेत मराठी सिनेमा सं जुड़ल आनो लोकनि कें नबका घरक चाभी देलनि। मकान पओनिहार मे खोटे के अलावा आओर चौदह लोक छथि। प्रसिद्ध मराठी अभिनेता प्रभाकर पनशिकर महाराष्ट्र हाउसिंग एंड एरिया डेवलवमेंट अथॉरिटी (एमएचएडीए) द्वारा मराठी कलाकारलोकनि कें घर देबाक निर्णय के वास्ते मुख्यमंत्री के तारीफ कएने छथि।