अपनेक स्वागत अछि।

Wednesday, May 19, 2010

अमरनाथ यात्रा मोबाइल संग

अमरनाथ यात्रा 1 जुलाई सं शुरु भ रहल अछि। जं अहां अमरनाथ यात्ना पर जा रहल छी तं आब घर-परिवार सं फोन सम्पर्क सं कटल नहि रहब। पवित्न गुफा धरि कत्तहु सं बीएसएनएल के मोबाइल सेवा सं आब बात क सकब।

संचार आ सूचना प्रौद्योगिकी राज्यमत्नी सचिन पायलट के प्रयास सं, पहलगाम आ बालटाल सं अमरनाथ गुफा तक जाएवला दूनू रस्ता पर बीएसएनएल नौ टा टावर लगा रहल अछि जाहि सं श्रद्धालुलोकनि कें नियमित रुप सं मोबाइल सिग्नल भेटतनि। कश्मीर घाटी में 13500 फुट के ऊंचाई पर स्थित पवित्न गुफा के दर्शन करए प्रति वर्ष करीब चारि लाख लोक जाइत छथि।

ई टावर सभ 30 जून तक काज करए लागत। तें,आब घर सं निकललो पर ककरो कोनो तरहक चिंता नहि रहतनि। स्थानीय निवासी, प्रशासनकर्मी आ सुरक्षा बल के जवान के सेहो एकर फायदा भेटतैक आ ओ सभ आपस मे गपिया सकताह आ यात्रीलोकनि सं सम्पर्क राखि सकताह।

ज्ञातव्य जे नौ मे सं चारि टा टावर सड़क मार्ग पर आ शेष पांच पैदल मार्ग पर लगाओल जा रहल छैक।