अपनेक स्वागत अछि।

Thursday, May 06, 2010

मध्यप्रदेश मे वन्या रेडियो

मध्यप्रदेश मे,सुदूर अंचल में रहनिहार ग्रामीण आ खासकए जनजातीय लोक सभ आब अपन बात आसानी सं रेडियो के माध्यम सं कहि सकेताह। ओ रेडियो सं प्रसारण लेल कार्यक्रमो स्वयं बनाओताह आ प्रसारणो हुनके बोली मे कएल जाएत। 5 अप्रील कए,मध्यप्रदेशक आदिम जाति कल्याण विभाग के उपक्रम वन्या के प्रबंध संचालक श्रीराम तिवारी का भोपाल मे होटल अशोका लेक व्यू में वन्यायूएनएफपीए द्वारा आयोजित सामुदायिक रेडियो केंद्र के प्रोग्राम निर्माता, कलाकार आ आलेख लेखक के प्रशिक्षण कार्यक्रम के उद्घाटन समारोह में कहलनि कि देश में पहिल बेर कम्युनिटी रेडियो के भागीदारी सुनिश्चित कएल जा रहल अछि। प्रशिक्षण कार्यक्रम मे, मातृ मृत्यु दर मे कमी आनबाक लेल,संस्थागत प्रसव कें बढ़ावा देबा लेल आ परिवार नियोजन आदि गंभीर विषय पर चर्चा भेल। यूएनएफपीए के स्टेट प्रोग्राम आफिसर तेजराम जाट प्रशिक्षण कार्यक्रम देया कहलनि कि एहन कम्युनिटी रेडियो प्रोग्राम बनाएल जएबाक चाही जाहि सं ग्रामीण महिलालोकनि मे स्वास्थ्य के प्रति जागरूकता बढ़ए आ ओ सभ सरकारी योजनाओं कें लाभ उठा सकथि।