अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 10, 2010

पंजाब- हरियाणा मे वर्जिन

वर्जिन मोबाइल आइ सं पंजाब आर हरियाणा में जीएसएम नेटवर्क सेवा शुरु क देलक। कंपनी आनो सर्किल में जीएसएम सेवा द रहल अछि मुदा पंजाब आ हरियाणा मे आइ धरि एकर सेवा सीडीएमए तक सीमित रहए। वर्जिन मोबाइल टाटा टैली आर वर्जिन ग्रुप के संयुक्त उपक्रम छैक आ एकरा खासकए युवा वर्ग के लक्षित कए लांच कएल गेल छैक। वर्जिन मोबाइल पंजाब मे मारिते वैल्यू एडिड सेवा देबाक योजना बनओने अछि जाहि मे, कोनहु नेटवर्क सं अबएवला कॉल पर 10 पैसा प्रति मिनट उपभोक्ता कें देल जएतैक। आउटगोइंग कॉल 20 पैसे मिनट सं 50 पैसा प्रति मिनट तक राखल गेल छैक। प्रीपेड ग्राहक सभहक लेल सेहो एक माह बाद बिल देबाक योजना घोषित कएल गेल अछि ताकि बिल देया कोनो तरहक आशंका नहि रहि जाए। एहि तरहक प्लान संभवतः एहि सं पूर्व कोनो सेवाप्रदाता कत्तहु नहि द रहल अछि। ऑननेट अर्थात् वर्जिन टू वर्जिन एसएमएस फ्री छैक।