अपनेक स्वागत अछि।

Sunday, May 02, 2010

ईएसआई आ ग्रैच्युटी के दायरा बढ़ल

सरकार उद्योग में कार्यरत कर्मचारी सभ कें स्वास्थ्य सुविधा देबा लेल कर्मचारी राज्य बीमा निगम (ईएसआई) कें दायरा बढ़ा देने अछि। आब 15 हजार रुपय्या मासिक तक वेतन पओनिहार कर्मचारी ईएसआई के लाभ ल सकताह। ई सुविधा काल्हि एक मई सं लागू भ गेल अछि। पहिने ई सुविधा छह हजार रुपया तक मासिक वेतन पओनिहार धरि सीमित रहए। ओकर बाद,किछु बरख पूर्व, एकर सीमा बढ़ाकए दस हजार रुपया कएल गेल छल। एकटा आओर खुशखबरी ई अछि जे आब निजी क्षेत्र में नौकरी करनिहारलोकनि अपन नियोक्ता सं ग्रेच्युटी पएबाक हकदार सेहो भ गेल छथि। केंद्र सरकार देश के करीब 20 लाख निजी छोट-पैघ स्तर के शिक्षक कें एहि अधिनियम के दायरा में आनिकए सभ निजी कर्मी सभहक लेल ग्रेच्युटी सुविधा अनिवार्य क देने अछि जे एखनि धरि एहि सं वंचित छलाह।