देश के पहिल टीवी गाईड चैनल लांच भ गेल अछि। एकर सुविधा ई छैक जे आब अपन मनपसंद के कार्यक्रम देखए लेल ने तं समय कें ध्यान राखब जरूरी रहि जाएत आ ने बेर-बेर रिमोट सं चैनल बदलबाक आवश्यकता। आब अहां कें अपन पसंदीदा कार्यक्रम कें जानकारी पहिनहि भेट जाएत । एतबे नहि,ई-मेल आ मोबाइल पर एकर मैसेज सं अलर्ट सेहो कएल जाएत। ई संभव भेल अछि व्हाट्स ऑन इंडिया चैनल के शुरुआत सं जे टेलीविजन पर कार्यक्रमक जानकारी लेबए लेल प्रारम्भ कएल गेल छैक। व्हाट्स ऑन इंडिया के चैनल हेड शालिनी बहल 5 अप्रील कए भोपाल मे कहलनि जे एहि टीवी गाइड चैनल सं देशभरिक दर्शक कें टेलीविजन देखबाक नव अनुभव भेटतनि। एखन, चैनल अधिकांश डिजिटल प्लेटफार्म पर अंग्रेजी में ईपीजी (इलेक्ट्रानिक प्रोग्रामिंग गाइड) स्क्रॉल के माध्यम सं होइत छल मुदा आब ई सुविधा एयरटेल डीटीएच के संग एकर ईपीजी पर हिंदी में सेहो उपलब्ध हएत। ई चैनल तेजी सं लोकप्रिय भ रहल अछि। एहि मे रिमाइंड मी विकल्प के तहत दू तरहक रिमाइंडर सेट कएल जा सकैत अछि। टीवी के दर्शक कें शो के प्रसारण सं 15 मिनट पूर्व मोन पड़एबाक सुविधा छैक। एक आन विकल्प ई छैक जे एहि तरहक सूचना दो दिन पूर्व एसएमएस अथवा ईमेल सं लिअ। रिपीट टेलीकास्ट के वास्ते एहि सुविधा कें अपडेट सेहो कएल जा सकैत छैक अथवा ओकरा हटाओल जा सकैत छैक । रिमांइडर सेवा वेबसाइट, फेसबुक आ मोबाइल -सभ पर उपलब्ध अछि । एकदम अपडेटेड टीवी शेड्यूल वेबसाइट पर सेहो देख सकब।