अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 03, 2010

साथ निभाना साथिया

स्टार प्लस पर आई सं साथ निभाना साथिया धारावाहिक शुरु भ रहल अछि। सासु-पुतहु के संबंध पर आधारित एहि धारावाहिक मे,सरल स्वभाव केर गोपी के माध्यम सं कथा आगू बढैत छैक। गोपी के पालन-पोषण मातृक मे होइत छैक। मामा तं ठीक मुदा मामी कें दुर्व्यवहारक कारणें गोपी कें माए के प्रेम नहि भेट पबैत छैक। गोपी अशिक्षित रहि जाइत छैक। आब ओकर जीवन मे एकहिटा स्वप्न छैक जे ओकर पति आ सासु स्नेही होए।
दोसर दिस छैक कोकिलाबेन जे पुतहु पर शासन करबाक स्वप्न देखैत अछि। ओकर बेटा अहम अपन माए कें पूर्ण नियंत्रण में अछि। अहम के मातहत एक कर्मचारी छैक-जिगर । बड्ड नीक आ सहज। जिगर ने तं अहम सन महत्वाकांक्षी अछि आ ने अहंकारी। ओकर माए छैक-हेतल। कोकिलाबेन आ हेतल दुनू के सासु छथि-बा। बाकी सभ गोटे तं बा कें सम्मान करैत छैक मुदा कोकिलाबेन ओकर अनदेखी कए अपन मनमानी करैत रहैत छैक।
धारावाहिक के प्रारम्भ होइत छैक कोकिलाबेन कें पुत्रवधू तलाश सं। ओकरा चाही एहन साधारण बहु जे हुनकर शासन मे रहि सकए। ई तलाश गोपी पर आबि कए समाप्त होइत छैक।
ओम्हर,गोपी के बहिन राशि जोड़-तोड़ कए जिगर सं बियाह क लैत अछि। राशि के एकहि टा उद्देश्य छैक-अपन सरल स्वभाव सासु हेतल आ पति पर शासन करब। सासुर में अएलाक उपरांत गोपी आ राशि के समय केना बीतैत छैक आ गोपी कें, सासु मे अपन माए भेट पबैत छैक कि नहि,इएह अछि एहि सीरियल के लब्बोलुआब।
धारावाहिक केर प्रसारण सोम सं शुक्र धरि सांझ सात बजे सं हएत।