अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 10, 2010

SBI मिनी बचत खाता

आब अहां अपन मोबाइल फोन नंबर कें अपन बैंक खाता के नंबर सेहो बना सकैत छी। एहि तरहक मोबाइल फोन खाता सं सभ तरहक लेन-देन आ खरीद क सकब। एहि मे,कोनो तरहक धोखाध़ड़ी के गुंजाईश तं नहिए अछि, बैंक जएबाक झंझटो नहि रहत।

वित्तीय सेवा प्रदाता निजी क्षेत्रक कंपनी एको फाइनेशियल सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड देशक सभ सं पैघ सरकारी बैंक भारतीय स्टेट बैंक के संग मिलिकए, शाखा-मुक्त मोबाइल फोन बैंकिंग कें शुरुआत कएलक अछि। एहि तरहक खाता के नाम भारतीय स्टेट बैंक मिनी बचत खाता देल गेल छैक।

एको कंपनी भारतीय स्टेट बैंक कें नेशनल बिजनेस कॉर्सपोंडेट छैक। ई कंपनी एहन लोक सभ कें बैंकिंग सुविधा देबाक कोशिश क रहल अछि जे आई धरि एहि सं दूर तं छथिए आ बैंकक कागजी परेशानी मे सेहो नहि प़ड़ए चाहैत छथि। एहि तरहक खाता के संचालन कोनहु मोबाइल हैंडसेट के माध्यम सं कएल जा सकैत छैक आर एकरा लेल मोबाइल फोन सेवा प्रदाता कंपनी कें कोनो तरहक शुल्क नहि देमए प़ड़त। एहि खाता के माध्यम सं एक खाता सं दोसर में रुपया हस्तांतरित कएल जा सकैत अछि आ खरीदारी सेहो कएल जा सकैछ।

दिल्ली-एनसीआर, बिहार आर झारखंड मे एहि तरहक ५५ हजार खाता खुजि चुकल अछि आर एहि बरखक अंत धरि १० लाख तक खाता खोलएबाक योजना छैक।

एम्हर राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र मे एहि प्रयोजन सं चार सौ एजेंट नियुक्त कएल गेल छैक।