अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 03, 2010

कायस्थ अदालत में विकास पर जोर

काल्हि पटना कें भारतीय नृत्यकला मंदिर में कायस्थ अदालत केर आयोजन भेल। एहि अवसर पर कायस्थ चित्रगुप्त सेना के वक्तालोकनि युवा सभहक आर्थिक विकास कें विकल्प पर चर्चा कएलनि। अध्यक्ष अखिलेश कुमार श्रीवास्तव कहलनि जे कायस्थ समाज कें बच्चा सभ कें रोजगारपरक शिक्षा देमए पड़तैक आ जं ई नहि भेल तं कायस्थलोकनि कें, गामक बाद आब शहरो छोड़िकए जाए पड़तनि। कार्यक्रम मे एहि बात पर सहमति बनल जे एकजुट रहिए कए परिवारक आर्थिक विकासक संगहि सामाजिक, शैक्षणिक आ समाज मे पसरल कुरीति सभ कें दूर कएल जा सकैत अछि। पूर्व विकास आयुक्त शंकर शरण कें कहब रहनि कि कायस्थ के जाति सं नहि बल्कि गुण सं चीन्हल जाइत छैक। इस अवसर पर झारखंड के पूर्व आरक्षी महानिरीक्षक टीपी सिन्हा कें प्रशासन, अरुण सिन्हा कें व्यवसाय, पत्रकारिता क्षेत्र में ब्रजनंदन, माधव सिन्हा कें समाज सेवा, लेखन क्षेत्र में सुधा कर्ण, कविता के लेल चक्रधर प्रसाद आर कृष्ण मोहन, साहित्य के क्षेत्र मे विपिन बिहारी नंदन, चिकित्सा के क्षेत्र में हड्डी रोग विशेषज्ञ केएल लाल, इतिहास के क्षेत्र मे उल्लेखनीय कार्य लेल प्रो. युवा देव प्रसाद आदि कें सम्मानित कएल गेल। मंच संचालन सेना के महासचिव आशुतोष नारायण सिन्हा,अतिथि सभहक स्वागत हरिहर सिन्हा आ धन्यवाद ज्ञापन रविनंदन सहाय निपू कएलनि।