अपनेक स्वागत अछि।

Monday, May 10, 2010

कायस्थ मात्र द सकैत अछि सभ कें सही दिशा :शत्रुघ्न सिन्हा

अभिनेता आ भाजपा सांसद शत्रुघ्न सिन्हा कें कहब छन्हि जे कायस्थे टा अल्पसंख्यक, पिछड़ा, शोषित-सभ कें सही दशा-दिशा द सकैत अछि। रविकए मोतिहारी के जिला स्कूल में आयोजित अखिल भारतीय कायस्थ महासभा के उत्तर बिहार क्षेत्रीय महासम्मेलन में ओ कहलनि जे एक समय केन्द्र सरकार आ ब्यूरोक्रेसी मे कायस्थ लोकनिक भागीदारी 40 प्रतिशत रहए जे आब घटिकए मात्र 15 सं 18 प्रतिशत के बीच रहि गेल अछि। शत्रुघ्न जी कहलनि जे कायस्थ समाज कें आगू बढ़बाक छैक आ देशक गौरव कें आओर आगू ल जएबाक छैक। हुनकर कहब रहनि जे हमरा सं अक्सर पूछल जाइत छन्हि जे कलाकार तं सभहक होइत छैक,तखन ओ किएक जातीय सम्मेलन मे हिस्सा लैत छथि तं हम कहैत छिएन्हि जे ई प्रश्न जातीयता के नहि, आत्मीयता के छैक। ओ साफ कहलनि जे जखन हम सभ मजगूत रहब तखने समाज आ राष्ट्र कें मजगूत क सकबैक। जातीय आधार पर जनगणना देया हुनकर कबर रहन्हि जे समाज के जातिविहीन हएब नीक हएत मुदा एहि लेल पहिने हमरा सभ कें स्वयं मजगूत बनए पड़त। ओ दहेज प्रथा आ तंबाकू सेवन पर रोक लगएबाक मांग कएलनि।