अपनेक स्वागत अछि।

Friday, April 30, 2010

नोकिया के ओवी म्यूजिक अनलिमिटेड लांच

नोकिया काल्हि बहुप्रतीक्षित ओवी म्यूजिक अनलिमिटेड डाउनलोड सेवा लांच कएलक। एहि सं,उपभोक्ता के लेल स्थानीय म्यूजिक डाउनलोड करब संभव भ जाएत। कंपनी के सेवा के तहत,40 लाख म्यूजिक उपलब्ध छैक जाहि मे रॉक, रैप, पॉप, हिपहोप, बॉलीवुड,सूफी, इंडीपॉप, भारतीय शास्त्रीय संगीत, भक्ति संगीत, ग़ज़ल, मलयालम, तमिल, गुजराती, बंगाली, पंजाबी आ भोजपुरी संगीत शामिल अछि। कंपनी के कहब छैक कि जे नोकिया ओवी म्यूजिक अनलिमिटेड उपकरण कीनत,से एहि संगीत कें एक बरख तक निःशुल्क डाउनलोड क सकत आ एकरा आजीवन अपना पास राखि सकत। कंपनी काल्हिए निःशुल्क उपयोग हेतु नोकिया एक्स टू उपकरण लांच करबाक घोषणा सेहो कएलक।